धनुषामे विद्यालय जारहल प्रधानाध्यापकउपर गोली प्रहार

0

अषाढ ११ गते,धनुषामे विद्यालय जायतकाल एक प्रधानाध्यापक उपर गोली प्रहार भेलअछि । धनुषाके लक्ष्मीनिया गाउँपालिकाके विलट साह सर्वोदय मावि सिनुरजोडाके प्रधानाध्यापक ५० वर्षक नरेन्द्र कुमार शर्माउपर गोली प्रहार भेलअछि ।
शर्माके गालमे गोली लग्लासँ हुनक अवस्था गम्भीर अछि । हुनका उपचारक लेल जनकपुर अञ्चल अस्पताल लगेलअछि । जनकपुर उपमहानगरपालिका–७ के शर्मा भिन्सर साढे ६ बजे अपन घरसँ विद्यालय जायतकाल लक्ष्मीनिया चोकसँ पश्चिम दिसके बाटोमे मोटरसाइकलमे हतियारसहित आएल दु गोटे गोली प्रहार कऽ भागल प्रहरी जनौलकअछि ।
घटनाके विषयमे अनुसन्धान भऽरहल धनुषाक प्रहरी उपरीक्षक लालमणी आचार्य जानकारी करौलनिअछि । गोली प्रहारसँ गम्भीर घाहिल भेल शर्माके थप उपचारक लेल हेलिकप्टरसँ काठमाडौं लजएवाक तयारी भऽरहल प्रहरी जनौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply