धनुषामे प्रमुख दलसभ उम्मेद्वार छनौटके तयारीमे तँ राजपा आन्दोलनके तयारीम

0

जेठ १५ गते,दोसर चरणके स्थानीय तहके चुनावक लेल धनुषामे उम्मेद्वारके निर्णय लगाब दलसभ सक्रिय भेलअछि । कांग्रेस, एमाले, माओवादी केन्द्र, नयाँ शक्ति नेपाल आ संघीय समाजवादी फोरम लगायतक दलसभमे उम्मेद्वारके आकंक्षी बढ्लाकऽबाद निर्ण लगाब नै सकिऽरहलअछि ।
आन्दोलनमे उत्रल राजपा बाहेकके सब दल वडासँ नगरधरिके उम्मेद्वार छनोट कऽर दिनराति छलफलमे व्यस्त देखलगेलअछि । धनुषामे १ उपमहानगरपालिका, ११ टा नगरपालिका आ ६ टा गाउँपालिका कऽ १८ टा स्थानीय तह भेलाकऽबादो हालधरि कोनो दलसभ कतौ उम्मेद्वारके निर्णय लगाब नै सकिरहलअछि ।
उम्मेद्वारके घोषणा नै भेलाकऽबादो तीन पैघ दलसभ बहुतो वडा स्तरमे उम्मेद्वारके टुंगो लगौने दाबी कएनेअछि ।
नेपाली कांग्रेसमे केन्द्रसँ वडाधरि देखलगेल दु गुट आ उम्मेद्वारके आकंक्षी बहुतो भेलासँ सेहो उम्मेद्वार छनौटमे ढिलाई भेलअछि । कांग्रेस जेठ १७ गते धरिमे उम्मेद्वार छनौट करके कांग्रेस धनुषाक सचिव सन्तोष यादव जानकारी देलनिअछि ।
हुनक अनुसार संघीय संचरना अनुसार वडासँ सिफारिस भेल उम्मेद्वारके आकंक्षीसभके नाम पार्टीके स्थानीय तहमे छलफल कऽ पठौने नामावलीके विषयमे अखन क्षेत्रीय स्तरमे छलफल भऽरहल सचिव यादव बतौलनिअछि ।
एमाले बहुतो वडामे उम्मेद्वार निर्विरोध छनौट भेल मुद्दा स्थानीयस्तरमे छलफल जारी रहलासँ एक दु दिन भितर निर्णय लागके एमाले धनुषाक अध्यक्ष राजकिशोर यादव जानकारी करौलनिअछि ।
अहिना माओवादी केन्द्र धनुषाके ६० प्रतिशत वडामे उम्मेद्वारके निर्णय लागि सकल दाबी कएलाकबादो हालधरि सार्वजनिक होब नै सकलअछि । १५ आ १६ गतेधरिमे उम्मेद्वारके निर्णय लगाब सक्वाक माओवादी केन्द्रके पोलिटव्युरो सदस्य समेत रहल धनुषाके स्थानीय नेता रामचन्द्र मण्डल बतौलनिअछि ।
चुनावमे भाग लेने मधेसवादी दलक उपेन्द्र यादव नेतृत्वक संघीय समाजवादी फोरम प्राप्त उपलब्धीके रक्षा करके कहति चुनावमे सक्रिय भेलअछि । संघीय समाजवादी फोरम उम्मेद्वारके निर्णय १७ गतेधरिमे लगाबके संघीय समाजवादी फोरम धनुषाक नेता ज्ञानेन्द्र यादवके कहबअछि ।
राजपा नेपाल संविधान संशोधन बिना कोनो भिऽ हालतमे चुनावमे नै जायके कहति भाँड् एवं अवरोध कऽर आन्दोलनके तयारीमे जुटलअछि ।

Share.

Leave A Reply