धनुषामे पेस्तोलसहित एकगोटे गिरफ्तार

0

जेठ १५ गते,जनकपुरमे एक हतियार सहित एक युवक रबिदिन पक्राउ परलअछि । जनकपुर उपमहानगरपालिका–१० स्थित अप्सरा होटल एन्ड गेष्ट हाउससँ वीरगन्ज उपमहानगरपालिका–१९ रहनियार २२ वर्षक सुरज साह सोनार एकटा पेस्तोलसहित पक्राउ परलअछि ।
ओकरा साथसँ पेस्तोल, म्याग्जिन आ मोबाइल एक एक टा तथा पेस्तोलमे लागबला चारि टा गोली बरामद भेल धनुषाके प्रहरी उपरीक्षक लालमणि आचार्य बतौलनिअछि ।
होटेलके रुम नं १०७ मे बसिरहल व्यक्तिसाथे हातहतियार भेल कहि गोप्य सूचनाक आधारमे जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषासँ खटल प्रहरीके विशेष टोली ओकरा पक्राउ कएनेअछि ।

Share.

Leave A Reply