धनुषामे अवैध रुपसँ संचालनमे रहल निजी विद्यालयमे विद्यार्थी भर्ना नहि कर शिक्षा अधिकारी महतोके आग्रह

0

 

बैशाख—२८गते,जनकपुर सहित धनुषा जिल्लामे अवैद्य रुपमे सँचालित नीजि विद्यालयसभमे अपन बालबच्चासभके नहि पढावक लेल जिल्ला शिक्षा अधिकारी महेन्द्र महतो अभिभावक सभसँ आग्रह कएलनिअछि । जिल्ला शिक्षा कार्यालय धनुषा, प्याबसन, एनप्याबसन, अभिभावक, पुस्तक व्यावसायीसभ सम्मिलित एक बैसारसँ धनुषामे सँचालित अबैद्य बोर्डिङ स्कुलके फिल्टराईज शुद्धिकरण कर्वाक कार्य प्रक्रिया आगा बढौने धनुषाक जिल्ला शिक्षा अधिकारी महेन्द्र महतो बतौलनिअछि ।बैसारसँ ७ दिनभितर जिल्लामे सँचालित नीजि विद्यालयसभमे अनुमति प्राप्त विद्यालयके खोजी कार्य तीव्र बनैवाक निर्णय कएलगेलअछि । जिल्लामे कतेक नीजि विद्यालयसभ अनुमति प्राप्त अछि, हमसभ ओयके खोजी कार्य तीव्र कर्वाक निर्णय कएने छि, कतेक कक्षाधरि अनुमति प्राप्त कएने आ कतेक कक्षाधरि सँचालनमे रहल सम्बन्धमे समेत खोजबीन कर्वाक निर्णय कएलगेलअछि । बैसारसँ जिल्ला शिक्षा कार्यालय धनुषासँ अनुमति प्राप्त विद्यालयसभके अन्तिम नामाबली पेश करति कोनो विद्यालयसभ प्रमाण जुटाब तत्काले नै सकल खण्डमे प्रमाण पेश कर्वाक समयसीमा देवके निर्णय कएलगेलअछि ।अनुगमन पश्चात् जिल्लामे सँचालित बैद्य विद्यालयसभके नामाबली सँचार माध्यमसभमे सार्वजनिक करति अभिभावकसभके अनुमति प्राप्त विद्यालयसभमे मात्र अपन बालबालिकासभके नामाँकन कराबपर्वाक सम्बन्धि जानकारी देवाक निर्णय कएने अधिकारी महतो बतौलनि,‘ कोनो विद्यालयके प्रमाण छुटलापर वा सरोकारबालासभ कएने अनुगमनमे कोनो त्रुटि भेलापर सच्याबके अवधि देलजायवाक निर्णय सेहो कएलगेलअछि ।विद्यालयसभके प्रमाण छुटलापर  विद्यालय निवेदन कर सक्वाक व्यवस्था कएलगेलअछि । ओय पश्चात् प्रशासनके सहयोगमे अनुगमन करति जिल्लाके अनुमति प्राप्त नै कएने विद्यालयसभके कानुनके दायरामे लाबके महतो बतौलनि । अयके साथे अधिकारी  महतो पाठ्यपुस्तकके नाममे पाठ्यपुस्कत विक्रेता, विद्यालय कमिशनके खेलमे लागिक अभिभावकसभसँ बेसी शुल्क असुलति आएल जनउपराग बढल कहति बेसी शुल्क लेनिहार ओहन विद्यालयके समेत कारवाहीके दायरामे लाबके ओ बतौलनिअछि ।

 

Share.

Leave A Reply