धनुषाके सवैलामे सयौके संख्यामे विभिन्न पार्टी परित्याग करैत माओवादीमे केलक प्रवेश

0

जेठ २ गते । जनकपुरधाम
धनुषाके सवैलामे नेपाली काग्रेस, नेकपा एमालेसहितक पार्टी परित्याग कँ सयौके संख्यामे नेकपा माओवादीमे प्रवेश कएलक अछि ।
सवैला नगरपालिकाके वाडा नं. ९ भठिहनमे माओवादी केन्द्रक केन्द्रिय सदस्य विन्देश्वर यादवके अध्यक्षता तथा माओवादी केन्द्रक प्रदेश इन्चार्ज मातृका यादवके प्रमुख आतिथ्यमे आयोजित पार्टी प्रवेश कार्यक्रममे माओवादी धनुषाके प्रभावशाली नेता श्रवण यादव बरबरिया, माओवादी केन्द्रक सांसद रामसिंह यादव, सांसद प्रतिक्षा तिवारी, केन्द्रिय सदस्य तथा जिल्ला संयोजक झल्कु यादव केन्द्रिय सदस्य दिपक यादव , रोशन यादव, तेजनारायण यादवसहितके सहभागिता रहल छलैक ।
नेपाली काग्रेसक नेता विजय साह, फरमान मंसुर, दिनकर महतो, विनोद कापरके नेतृत्वमे आ सुफर कापरके नेतृत्वमे एमालेके कार्यकतासभ नेकपा माओवादी पार्टीमे प्रवेश केलक अछि ।

Share.

Leave A Reply