धनुषाके कजरामे दर्जनौ गोटे माओवादीमे भेल प्रवेश

0

जेठ १४ गते । जनकपुधाम
धनुषाके कजरामे विभिन्न पार्टी परित्याग कँ नेकपा माओवादीके ६२ गोटे प्रवेश कएलक अछि । रवि दिन मिथिला विहारी गाउँपालिका वाडा नं. ४ कजरामे नेकपा माओवादीद्धारा आयोजित पार्टी प्रवेश कार्यक्रममे नेपाली काग्रेस सँ मोहनी शरण यादवके नेतृत्वमे , फोरम सँ श्यामकिशोर यादवके नेतृत्वमे , नेकपा एमाले सँ रामनारायण यादवके नेतृत्वमे करिब ६२ गोटे नेता कार्यकतासभ पार्टी प्रवेश कैने नेकपा माओवादी केन्द्रके भातृसंगठन वाइसिएलके धनुषा अध्यक्ष रोशन यादव जानकारी देलनि अछि ।
नवप्रवेशीसभके नेकपा माओवादी केन्द्रक पोलिटब्युरो सदस्य रामचन्द्र मंडल , माओवादी केन्द्रक केन्द्रिय सदस्य नन्दकिशोर यादव फुलमाला अविर लगा कँ स्वागत कैने छलैथ ।

Share.

Leave A Reply