दोसर चरणके स्थानीय चुनावके तयारी पूरा, उम्मेदवारी दर्ता आय

0

अषाढ ४ गते,दोसर चरणके चुनावके सम्पूर्ण तयारी पुरा भेल निर्वाचन आयोग जनौलकअछि । आय रबिदिन भिन्सर ८ बजेसँ ४ बजेधरि उम्मेदवारी दर्ताके समय तोक्नेअछि तँ १४ गते मतदान हेवाक निर्वान आयोग जनौलकअछि ।
‘उम्मेदवारी मनोनयनके कार्यक्रममे उत्साहपूर्वक सहभागी होबऽ आयोगके दिससँ हम पुनः राजनीतिक दलक उम्मेदवार तथा स्वतन्त्र उम्मेदवारसभसाथे हार्दिक अपील करैछि’ प्रमुख निर्वाचन आयुक्त अयोधी प्रसाद यादव कहलनि ।
दोसर चरणके निर्वाचन प्रदेश १, ५ आ ७ के ३५ जिल्लाके ३३४ स्थानीय तहमे ह्यात, जयमे बिराटनगर महानगरके साथे ७ उपमहानगर, १११ नगरपालिका आ २१५ गाउँपालिका अछि । निर्वाचनमे ६४ लाख ३२ हजार ७६५ मतदातासभ मतदानमे भाग लेत आ १५ हजार ३८ प्रतिनिधिसभ निर्वाचित ह्यात ।
निर्वाचन आयोगक अनुसार ४ हजार ५८१ मतदान स्थलमे ८ हजार ३६४ मतदान केन्द्र रहत । मतदान कार्यमे सुरक्षाकर्मी बाहेक ६६ हजार ९०० कर्मचारी खटत ।
आगोग ४७ टा संस्थाके करिब ७ हजार ८९ गोटे पर्यवेक्षकके निर्वाचन पर्यवेक्षणके अनुमति देलकअछि ।

Share.

Leave A Reply