तेशर सप्ताह जनकपुर अंचल अस्पतालमे सरसफाई काएलगेल

0

अषाढ १० गते । दिपेन्द्र सिंह
जनकपुर अंचल अस्पतालके साप्ताहिक कार्यक्रमअन्तर्गत सरसफाई काएलगेल अछि । गरिब असहाय मंचके अध्यक्ष समाजसेवी बैद्यनाथ साहके नेतृत्वमे आई तेशर शनि दिन जनकपुर अंचल अस्पतालके बृहत रुपमे सरसफाई काएलगेल अछि । आई भिन्सर जनकपुरक औषधी व्यवसायी संघक ४४ स्थापना दिवसके अवसरमे ४ टा गन्धकी राखएवाला कन्टेनर सेहो अंचल अस्पतालमे प्रदान काएलगेल अछि ।

आई शनि दिन भिन्सर आयोजित सरसफाई कार्यक्रममे जनकपुरक महाविर युवा कमिटी , गणेश युवा कमिटि , औषधी ब्यवसायी संघ, जनकपुर अंचल अस्पतालक मेस्तर , डाक्टर , विद्यार्थीसभक सहभागिता रहल छलैक ।
गन्धकीये गन्धकी सँ भरल जनकपुर अंचल अस्पतालके नियमित रुपमे प्रत्येक सप्ताह सरसफाई करके अभिभायानके रुपमे सुरु काएलगेल समाजसेवी साह जानकारी देलनि अछि ।

Share.

Leave A Reply