डेङ्गुके आधा दर्जन बिरामी भेट्लाकऽबाद महोत्तरीमे सतर्कता अपनाओलगेल

0

बैशाख २० गते,पछिल्लका समय महोत्तरीके बर्दिवासमे डेङ्गु सङ्क्रमणके आधा दर्जन बिरामी भेट्लाकऽबाद जिल्ला जनस्वास्थ्य कार्यालय सतर्कता अपनौलकअछि ।ओ कार्यालय बर्दिवासमे डेङ्गुसम्बन्धी सचेतनामूलक अभियान सुरु करके साथे अयसँ बऽच सक्वाक उपायसम्बन्धी विभिन्न स्थानमे जानकारी आदानप्रदान कएलकअछि ।बर्दिवास नगरपालिकामे चारि गोटे आ हात्तीलेटमे दु गोटे क छ गोटेमे डेङ्गु सङ्क्रमित प्रमाणित भेल कार्यालयके प्रतिनिधि भागिरथ यादव जानकारी करौलनिअछि । छ गोटे मध्ये दु गोटे उपचारके बाद घर घुरल ,दु गोटेके काठमाडौँ आ दु गोटेके बर्दिवासेमे उपचार भऽरहल यादव जानकारी देलनिअछि ।स्वास्थ्यमे किटके अभाव भेलाकऽबाद बिरामीसभ निजी अस्पतालमे डेङ्गु परीक्षण करौने आ प्राप्त रिपोर्ट इपिडिमियोलोजी तथा रोग नियन्त्रण महाशाखा काठमाडौँ पठौनेछल ।

Share.

Leave A Reply