डिभिजन सडक कार्यलय मिनभवनमे कार्यरत ईन्जिनियर घुस रकमसहित रंगेहात पक्राउ

0

चैत्र–२६ गते,डिभिजन सडक कार्यलय मिनभवनमे कार्यरत ईन्जिनियर नरनाथ पौडेल, सबईन्जिनियर मनिष महतो आ लेखा अधिकृत चित्र बहादुर के.सी. शुक्रदिन घुस रकमसहित रंगेहात पक्राउ परलअछि ।साँखु सडक मर्मत कार्यके लेल ठेकेदर संस्था पि.के.बि. निर्माण सेवा टेन्डर प्राप्त कऽ निर्धारित कार्य सम्पन्न भेल दु महिना व्यतित भेलाकऽबादो रनिङ विल पास कर्वाक क्रममे दु लाख २० हजार रुपैयाँ घुस रकम लैतकाल ओकरासभके अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगके टोली पक्राउ कएनेअछि ।विल पास कऽर आलटाल कऽ विभिन्न बहानामे घुस रकम माग कऽरहल कहि सूचनाक आधारमे अख्तियार ओकरासभ उपर निगरानी कएनेछल । अख्तियार टोली ईन्जिनियर पौडेल आ सव ईन्जिनियर महतोके दु लाख बीस हजार रुपैयाँ घुस रकम लैतेकाल बानेश्वरके इन्द्रेणी फुडल्याण्डसँ पक्राउ कएनेअछि ।लेखा अधिकृत के.सी.के सेहो २० हजार रुपैयाँ घुस लैतेकाल कात्यानी मार्ग बानेश्वरसँ नियन्त्रणमे लेने अख्तियार जनौलकअछि । तीनुगोटेके अख्तियार हिरासतमे लऽक अनुसन्धान कऽरहलअछि ।

Share.

Leave A Reply