ट्रकक ठक्करसँ महोत्तरीके टुटेश्वरनाथमे बोलबम यात्रुके मृत्यु

0

श्रावण १६ गते,महोत्तरीके टुटेश्वरनाथ महादेवमे सोमदिन मेला देख गेल सर्लाहीके एक बोलबम यात्रुके ट्रकक ठक्करसँ जान गेलअछि ।
सर्लाहीके सकरोल २ रहनियार १७ वर्षक सचिन ठाकुरके जान गेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी जनौलकअछि ।
पूर्व पश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत महोत्तरीके बर्दिवास नगरपालिका ५ टुटेश्वर चौकमे राजमार्गसँ सर्लाहीदिस जायतकाल ना ६ ख ३७१२ नंके ट्रक ठक्कर देलासँ ओकर घटनास्थलेमे जान गेल प्रहरी उपरीक्षक राजकुमार लम्साल बतौलनिअछि ।
घटनास्थलमे इलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिवासके प्रहरी नायब उपरीक्षक शालीग्राम शर्मा सहितके प्रहरी टोली जाऽक मुचुल्का उठैवाक काज कएने तथा ठक्कर देबबला ट्रक आ चालक प्रहरी चौकी फुल्जोरके नियन्त्रणमे रहल जिप्रका महोत्तरी जनौलकअछि।

Share.

Leave A Reply