ट्रकके ठोक्कर सँ सपहीमे एक गोटेके जान गेल

0

बैशाख २३ गते । जनकपुरधाम
धनुषाके सपहीमे ट्रकके ठोक्कर सँ शनि दिन भिन्सर एक गोटेके मृत्यु भेल अछि । जनकपुर–ढल्केवर सडक खण्ड अन्तर्गत सपहीमे ट्रिपरके ठक्कर सँ सपहीके स्थानीय ५५ बर्षिय बैजनाथ साहके घटनेस्थल पर मृत्यु भेल प्रहरी जनौलक अछि । ढल्केवर तर्फ सँ जनकपुर आवि रहल ना ७ ख २२६३ नम्बरके ट्रीपर बाट काट्के क्रममे साहके ठक्कर देला पर घटनास्थलमे मृत्यु भेल ईलाका प्रहरी कार्यालय महेन्द्रनगरके प्रहरी निरिक्षक नरेश सिंह जानकारी देलनि अछि ।
ट्रिपर साहके ठक्कर दँ भागि रहल समयमे ट्रिपर सहित चालकके वडा प्रहरी कार्यालय मुजेलिया नियन्त्रणमे लैने अछि । ट्रिपर ज्यादती कैने कहैत सरोकारबाला निकायसभके दुर्घटना न्यूनिकरणके माग करैत साहके मृत्यु पश्चात सपहीके स्थानीयबासिन्दासभ जनकपुर–ढल्केबर सडक खण्डमे किछ समय अवरुद्ध सेहो कैने छलैक ।
अहिविच,
ठन्का लागि कँ खोटाङके रुपाकोट मझुवागढी नगरपालिका ५ खाल्लेके ४३ वर्षक शेरबहादुर कट्वालके जान गेल अछि । शनि दिन ठन्का सँ गम्भीर घाएल भेल कट्वालके जिल्ला अस्पताल दिक्तेलमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल अछि । ठन्का लागि कँ रुपाकोट मझुवागढी नगरपालिका–४ खाल्लेके ७ वर्षक सुस्मिका खत्री आ ७ वर्षक सुष्मा खत्री घाएल भेल डिएसपी नबिनकिशोर प्रधान बतौलनि अछि । घाएलसभक जिल्ला अस्पतालमे इलाज भँ रहल अछि ।

Share.

Leave A Reply