टिकापुर घटनाके दोषिके मुद्दा फिर्ता लेबके निर्णयप्रति एमालेके आपत्ति

0

जेठ ६ गते ,सरकार टिकापुर घटनाके दोषिके उन्मुक्ति देबके तयारी कएने कहति नेकपा एमाले सेहो आपत्ति जनौलकअछि । सरकार बृहस्पतिदिन मन्त्रिपरिषद बैंसारसँ कैलाली घटनासहित तराई मधेसके आन्दोलनक क्रममे भेल हत्याके आरोपिसभके मुद्दा फिर्ता लेबके प्रक्रिया आगा बढौलाकऽबाद एमाले शुक्रदिन विज्ञप्ति निकालिक आपत्ति जनौलकअछि ।
एमाले मानव अधिकारके विश्वव्यापी मूल्य मान्यता विपरितके सरकारके एहन निर्णयसँ दण्डहीनता संस्थागत होबके तथा आपराधिक प्रवृत्तिके प्रोत्साहन मिलके जनौलकअछि ।
एमाले निर्णय तत्काल फिर्ता लेबऽ, घटनाके तथ्यपूर्ण एवं निष्पक्ष छानबीन कऽ दोषीके कानुनी दायरामे लाबऽ, दण्डहीनता अन्त्य कऽर तथा मानव अधिकार आ विधिके शासनके पालना कऽर सरकारके गम्भीर ध्यानाकर्षण करौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply