झापामे ब्राउनसुगर सहित ३ गोटे पक्राउ

0

जेठ ७ गते,झापामे प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित तीन गोटेके पक्राउ कएलकअछि ।
पक्राउ परबलामे इलाम सूर्योदय नगरपालिका ४ घर भऽ बिर्तामोड ४ मे बैसति आएल ३६ वर्षीय रञ्जित प्रधान, बुद्धशान्ति गाउँपालिका २ आइतबारेके २३ वर्षीय राजेश अधिकारी आ २८ वर्षीय सन्दीप राई रहलअछि ।
विशेष सुराकीके आधारमे ओकरासभके जिल्लाके विभिन्न स्थानसँ पक्राउ कएलगेलछल ।
ओकरासभके साथसँ तीन हजार मिलिग्राम ब्राउन सुगर आ लागूऔषध सेवन करतिकाल प्रयोग कएने नेपाली तथा भारु बेरल नोट बरामद कएने इलाका प्रहरी कार्यालय, अनारमनीके प्रमुख डिएसपी केशव थेबे जानकारी देलनिअछि । ओकरासभके विषयमे थप अनुसन्धान भऽरहल प्रहरी जनौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply