झडपमे मतगणना प्रतिनिधिसहित ३ गोटे घाहिल,प्रहरीद्धारा लाठी चार्ज

0

छविस पाथिभेर गाउँपालिकामे नेकपा माओवादी केन्द्र आ नेकपा एमालेके कार्यकर्ताबीच बृहस्पतिदिन दुपहर झडप भेलअछि । झडपमे मतगणना प्रतिनिधिसहित तीन गोटे घाहिल भेलअछि तँ ६ गोटे माओवादी केन्द्रके कार्यकर्ताके प्रहरी नियन्त्रणमे लेलकअछि ।
घाहिल मध्ये वडा नं ५ के मतगणना प्रतिनिधि एवं अनेरास्वियुके केन्द्रिय सम्पर्क विभागक सचिव सागर भट्टके पैर टुटलअछि । अहिना एमालेके कार्यकर्ता सुवास भट्टके माथमे आ कानमे चोट लागलअछि तँ दोसर कार्यकर्ता सिद्धराज थापाके हात टुटल अनेरास्वियुके केन्द्रिय महासचिव ऐन महर जानकारी करौलनिअछि ।
बुधक साँझ मदिरा सेवन कऽ होहल्ला कऽरहल माओवादी कार्यकर्ताके नियन्त्रणमे लेवाकऽलेल अपनेसभ प्रहरीके खबर कएने आ व्याह् रीसमे बृहस्पतिदिन माओवादी केन्द्रके कार्यकर्तासभ अपनासभके आक्रमण कएने घाहिल मध्येके एक सागर भट्ट जानकारी देलनिअछि । ओ माओवादी केन्द्र जिल्ला बाहरसँ गुण्डा मँगाक अपनासभके पिट्बौने आरोप लगौलनि । ओ घाहिल तीनु गोटेके जिल्ला अस्पताल बझाङमे उपचार भऽरहल बतौलनि ।
एमहर माओवादी केन्द्रके सांसद जनक बुढा दुतफा झडपमे अपनादिसके सेहो ५ गोटे कार्यकर्ता घाहिल भेल आ ६ गोटेके प्रहरी नियन्त्रणमे लेने बतौलनिअछि । ओ जिल्ला बाहरसँ गुण्डा मँगाक आक्रमण कएने बात पूर्ण रुपमे असत्य भेल बतबति कहलनि ‘चुनाव सकल जिल्लाके किछ साथीसभ प्रचारके क्रममे एमहर आएल होब सकतिअछि । हमरसभके सेहो ओमहर गेलछल । मुद्दा गुण्डा मँगाक आक्रमण कएने कहि एमालेके आरोपमे कोनो सत्यता नै अछि ।’
पक्राउ परल अपन कार्यकर्ता रिहा नै करधरि छविस पाथिभेरे गाउँपालिकाके मतगणना होबऽ नै देबके बतबति बुढा कहलनि ‘निर्वाचनके बेर एहन सामान्य घटनासभ सबदिस होईते रहैछै । अयके निहुंमे एक पक्षके कार्यकर्ताके नियन्त्रणमे लेनाई निक बात नै अछि ।’

Share.

Leave A Reply