ढल्केवरचौकमे सरसफाई काएलगेल

0

बैशाख २९ गते । जनकपुरधाम
धनुषाके मिथिला नगरपालिकाके आयोजनामे साप्ताहिक सरसफाइ कार्यक्रम अन्तर्गत आई शुक्र दिन सेहो ढल्केवर चौकमे सरसफाइ काएलगेल अछि । सरसफाइ अभियानमे स्थानीय राजनीतिकर्मी, समाजसेवी, शस्त्र प्रहरी, जनपद प्रहरी, ट्राफिक प्रहरी, म्यादी प्रहरीसहितके संगहि मिथिला नगरपालिकाके कर्मचरीसभके सेहो सहभागीता रहल छलैक ढल्केवर सँ पत्रकार विजय साह जानकारी देलनि अछि । प्रत्येक शुक्र दिन ढल्केवर चौकमे नगरपालिकाके प्रयासमे किछ महिना सँ सरसफाई काएल जाँ रहल अछि ।

Share.

Leave A Reply