जनकपुर उपमहानगरपालिकाके प्रमुख मन्त्रीके अगाडिए पिटाएल

0

श्रावण १७ गते,शहरी विकास तथा भवन निर्माण मन्त्री प्रभु साहके अगाडिए जनकपुर उपमहानगरपालिका प्रमुखके मारपिट कएनेअछि । मंगलदिन भिन्सरे मन्त्री साहसाथे जनकपुर उपमहानगरपालिका भितर विकास निर्माण कार्यके अनुगमनमे रहल बेर जनकपुर उपमहानगरपालिकाके कार्यकारी अधिकृत एवं प्रमुख अर्जुन प्रसाद सुवेदी स्थानीय बासिन्दासँ पिटाई खएनेअछि ।
जनकपुरमे सञ्चालित एकीकृत विकास आयोजनाके स्थलगत अनुगमनके लेल मंगलदिन भिन्सरे मन्त्री साहसाथे सम्बन्धित निकायके प्रतिनिधि मुरलीचौकमे गेलछल ।
व्याह् क्रममे स्थानीय बासिन्दासभ सम्बन्धित निकाय लापरबाही एवं ढिलासुस्ती तरिकासँ काज कऽरहलासँ नागरिकसभ सास्ती भोगऽ बाध्य रहल मन्त्रीलँग उपराग सुनौनेछल । मन्त्री साह ढिलासुस्ती हटाब सम्बन्धित कार्यालयके प्रमुखसभके बजाक निर्देशन दऽरहलछलथि । व्याह्बेर जनकपुर उपमहानगरपालिका प्रमुख सुवेदी अपन गाडीमे मोबाइल चलाक बैसलछलथि । किछ युवासभ प्रमुख सुवेदीके मन्त्री बजाबिरहलअछि कहि आग्रह कएलापर ओ अपने मन्त्रीके सुन नै जायएब कहि जवाफ घुरौलाकऽबाद आक्रोशित युवासभ गाडीसँ तानिक मारपिट कएनेअछि । प्रमुख सुवेदीके कपडासमेत स्थानीय युवासभ फारिदेनेअछि ।
मारपिट घटना पश्चात प्रमुख सुवेदी अपने ओत रहल बेर अराजक व्यक्तिसभ अपनाके गाडीसँ तानिक मारपिट कएने दुःख व्यक्त कएलनि । ओे कानुनी राज्य अछि तँ अपना उपर मारपिटके सँगे दुव्र्यवहार करबलासभ उपर कडा कारबाही होबपर्वाक माग कएलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply