जनकपुरमे राजपाके ४१ गेटे नेता तथा कार्यकर्ता पक्राउ

0

अषाढ ५ गते,राष्ट्रिय जनता पार्टी ,नेपालक ४१ गोट नेता कार्यकर्तासभके जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा रबिदिन पक्राउ कएनेछल । प्रहरीके लाठी चार्जसँ आधा दर्जन राजपा कार्यकर्तासभ घाहिल भेलअछि ।
राजपाके घोषित बन्द सफल बनाब प्रदर्शन करति कएने राजपा नेता कार्यकर्ता तथा प्रहरीबीच जनकपुर उपमहानगरपालिका, जनकचौक तथा रामचौक आसपास बेर–बेर झडप भेलछल । व्याह् क्रममे प्रहरीके लाठी चार्जसँ आधा दर्जन प्रदर्शनकारी घाहिल भेलछल ।
प्रहरीके लाठी चार्जसँ राष्ट्रिय जनता पार्टी धनुषा अध्यक्ष मण्डलके संयोजक परमेश्वर साह, अध्यक्ष मण्डलके सदस्य संजयकुमार सिंह महिला नेतृ पूनम झा, रीता झा, कुन्ती पाठक, सीता चौधरी लगायतसभ घाहिल भेलअछि । माथमे चोट लागल घाहिलसभके उपचार जनकपुर अंचल अस्पतालमे कराओलगेलअछि ।
प्रहरी राजपा अध्यक्ष मण्डलके संयोजक परमेश्वर साह, अध्यक्ष मण्डलके सदस्य संजय सिंह, प्रमोद यादव, पूर्व राज्य मन्त्री सरिता साह, केन्द्रिय प्रवक्ता लालकिशोर साह, केन्द्रिय सचिव रितेश कुमार सिंह, सांसद दीनेश साह, सरिता शर्मा, चन्दा ठाकुर, रेणु झालगायत ४१ गेटेके नियन्त्रणमे लेलगेलछल ।
प्रदर्शनकारीसभ जनकपुर उपमहानगरपालिकाके जीप तथा साइनबोर्डमे तोडफोड कऽर खोज्ने बेर दुतर्फा भिडन्त भेलछल । प्रदर्शनकारीसभ सुरक्षाकर्मीके लक्षित कऽ पथराव सेहो कएनेछल तँ प्रहरी भिडके तितरवितर कऽर लाठी चार्ज कएनेछल ।
प्रदर्शनकारीके पथरावरसँ जनकपुर उपमहानगरपालिकाके जीपके अगाडिके सिसा फुट्के साथे प्रहरी सवार भ्यानमे समेत क्षति भेल धनुषाके एसपी लालमणि आचार्य जानकारी देलनिअछि । प्रदर्शनकारीके पथरावसँ दु गोटे प्रहरी समेत घाहिल भेल एसपी आचार्य बतौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply