जनकपुरमे रक्तदान काएलगेल

0

बैशाख २९ गते । जनकपुरधाम
आइ इस्लाम धर्मालम्बीसभक पावनि सबेबरात मौकाए सैयदके अवसरमे अबसरमे विभिन्न कार्यक्रम करैत रक्तदान काएलगेल अछि । जनकपुरके जीरोमाइलस्थिस छोटी कब्रिस्तानमे आयोजित रक्तदान कार्यक्रममे ५५ गोटे रक्तदान कैने जनाऔलगेल अछि ।
खुरसैत खानके अध्यक्षता तथा न्यायाधीश साबीर हुसेन, प्रमुख जिल्ला अधिकारी दिलिप चापागांईके बिशेष आतिथ्यतामे आयोजित रक्तदान कार्यक्रममे नेपाल प्रहरीके धनुषा उपरिक्षक लालमणि आचार्य, सशस्त्रत्र प्रहरीके प्रहरी उपरिक्षक, ट्राफिक प्रमुख , वनस्पती कार्यालय धनुषा प्रमुख ताहिर हुसेन, राप्रपाके जनकपुर नगर अध्यक्ष मोहम्मद युसूफ साफी , महाबीर युवा कलबक पूर्ब अध्यक्ष धर्मेन्द्र साह, गंगा आरतीके अभियानी तथा सामाजिक अभियंता सुरेश शर्मा, नया शक्तिके नेता साजिद हुसैन, समाजिक अभियन्ता मोहम्मद रियाज साफीसहितक सहभागिता रहल उदघोषण कैने साजिद हुसेन जानकारी देलनि अछि ।

Share.

Leave A Reply