जनकपुरक मुख्य बाटमे निजी विद्यालयके गाडी पार्किङ्ग कऽ रख्लासँ आवत जावत करमे सर्वसाधारणके समस्या

0

श्रावण १८ गते,जनकपुरक मुख्य बाटमे निजी विद्यालयके गाडी पार्किङ्ग कऽ रख्लासँ सर्वसधारण सहित अन्य गाडि समेतके आवत जावत करमे समस्या भऽरहलअछि ।
जनकपुरक मुख्य तथा अति व्यस्त बाट मानलगेल भानुचौकसँ कदम चौक जायबला बाटमे किछ निजी स्कूलबलासभ अ अपन स्कूलक बस तथा अन्य सवारीसाधनसभ सडके कातमे लगौलासँ पैदल यात्री सहित अन्य गाडीसभके समेत आवत जावत करमे समस्या भऽरहलअछि । जयके कारणे पैघ दुर्घटना सेहो भऽसकैतअछि । मुद्दा सम्बन्धीत निकाय मौन रहलअछि ।
अखन जनकपुर नगर क्षेत्रमे एडिबीके ऋण सहयोगमे सञ्चालित एकीकृत विकास आयोजना अन्तर्गत सडक ओहिना खनजोत कएलासँ जनता परेशान रहलअछि तैऽपरसँ ओय क्षेत्रमे परबला सम्पूर्ण निजी विद्यालयबलासभ सडके कातमे बस लगौलासँ जनताके आवत जावत करमे समस्या भऽरहलअछि । मुद्दा विद्यालय प्रशासन समस्याके बुझियोक सामाधानदिस कोनो पहल कएने देख्वामे नै अबतिअछि ।
बिद्यालय एकटा शिक्षा देवबला मन्दिर होईतअछि ।ओयमे सयकडौँ ,हजारौँ विद्यार्थीसभ ज्ञानक बात सिखतिअछि प्राप्त करतिअछि । मुद्दा,ज्ञाने देबबला मन्दिरे जँ एहन गल्ती करे तँ ओकरा कोन सजाय देल जएवाक चाही । यी अपनेआपमे विचार कर्वाक बात रहलअछि ।

Share.

Leave A Reply