जनकपुरके नयाँ बसपार्कमे गुठीके जग्गा अतिक्रमण कऽ भऽरहल अवैद्य निर्माण कार्यमे युवासभद्वारा रोक

0

 

बैशाख १९ गते,जनकपुरके नयाँ बसपार्कमे गुठीके जग्गा अतिक्रमण कऽ भऽरहल अवैद्य निर्माण कार्य युवासभ रोक्लकअछि । राममन्दिरके फुलबारीके ७ कठ्ठासँ बेसी जग्गा पशुपति चैतन्य ब्रह्मचारी नामक साधु अतिक्रमण कऽ विक्रिवितरणके साथे ओयमे अवैद्य निर्माण कऽर लागल कहति नयाँ शक्ति नेपालके जनकपुर नगर संयोजक राकेश विक्रम साहक नेतृत्वमे गेल ७० गोटेसँ बेसी युवासभ रोक्लकअछि ।ओ सभ लगोने बेरा समेत तोडफोड करति हटौनेअछि । फुलबारीके जग्गा नै बेच तथा भाडामे नै लगाब आग्रह कएलाकबादो ब्रह्मचारी नै मान्ने कहति युवासभ बेरा हटाक रोक्ने संयोजक साहके कहबअछि । ओय जग्गाके विषयमे अदालतमे मुद्दा चलिरहल जनौलकअछि । ओय जग्गासँ उच्च पदस्थ नेपाल सरकारके कर्मचारीसभके समेत बेच्ने युवासभक आरोप अछि । ब्रह्मचारी प्रहरी प्रशासनके उच्च ओहदाके कर्मचारीके मोट रकम दऽक ओ जग्गा विक्रि वितरणके साथे अवैद्य धन्दाके लेल जग्गा भाडामे दैत आएल जनौलकअछि । फुलबारी लगाब पर्वाक जग्गामे गोरख धन्दा करति अएलासँ बेरा हटाबिक रोक्ने संयोजक साह बतौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply