च्याम्पियन्स ट्रफी क्रिकेटके उपाधि पाकिस्तान जित्लक, भारतउपर शानदार जित

0

अषाढ ५ गते,च्याम्पियन्स ट्रफी क्रिकेटके उपाधि पाकिस्तान जित्लकअछि । रबिदिन साँझ ओभरमे सकल खेलमे चिरप्रतिद्वन्द्वी भारतके एक सय ८० रनसँ हरबति पाकिस्तान पहिल बेर च्याम्पियन्स ट्रफीके उपाधि जित्लकअछि । पहिल बेरके फाइनल यात्रामे उपाधि जित्वाक क्रममे पाकिस्तान तीन सय ३९ रनके लक्ष्य पछ्यौने भारतके ३० दशमलव ३ ओभरमे मात्र एक सय ५८ रन बनबति अलआउट कएनेछल ।
पाकिस्तानके मोहम्मद आमिर आ हसन अली समान तीन तीन तथा शादब खान दु विकेट लेलनि । भारतके हार्दिक पाण्डेय ७६, युवराज सिंह २२, शिखर धवन २१ तथा रविन्द्र जडेजा १५ रन बनाब बाहेक दोसरसभ दोहारा अंकमे रन बनाब नै सकलछल । कप्तान विराट कोहली पाँच तथा महेन्द्र सिंह धोनी मात्र चारि रन बनाक आउट भेलछलथि । रोहित शर्मा शून्य रनमे आउट भेलछल । अयसँ आगा पहिल ब्याटिङ कएने पाकिस्तान फाखर जामनके एक सय १४ रनके मद्दतमे चारि विकेटके क्षतिमे ३ सय ३८ रन बनौनेछल । अजहर अली ५९ तथा बाबर आजम ४६ रनके योगदान देलनि । मोहम्मद हाफिज नटआउट ५७ रन बनौलनि ।

Share.

Leave A Reply