च्याम्पियन्स ट्रफि क्रिकेटके फाइनलमे भारत पाकिस्तान, बंगलादेश ९ विकेटसँ पराजित

0

अषाढ २ गते,च्याम्पियन्स ट्रफि क्रिकेटके उपाधिके लेल भारत आ पाकिस्तान खेललागअछि । बंगलादेशके ९ विकेटसँ हरबति भारत पाकिस्तानसाथे फाइनल पक्का कएनेअछि ।
बंगलादेश देने २ सय ६५ रनके लक्ष्य भारत ४० ओभर १ बलमे एक विकेटके नोक्सानीपर भेट्टोनेअछि । भारतके जिताब रोहित शर्मा १ सय २९ बलमे अविजित १ सय २३ आ विराट कोहली ७८ बलमे अविजित ९६ रन बनौलनि । शिखर धवन ३४ बलमे ४६ रन बनौलनि । बंगलादेशके मसरफि मोरताजा एक विकेट लेलनि ।
टस हार्लाकऽबाद पहिल ब्याटिङ कएने बंगलादेश ५० ओभरमे ७ विकेटके नोक्सानीपर २ सय ६४ रन बनौनेछल । बंगलादेशके तमिम इकवालके ८२ बलमे ७० रन, मुस्फिकुर रहिमके ८५ बलमे ६१ रन, मसरफि मोरताजा २५ बलमे ३० रन बनौलनि । भारतक भुवनेश्वर कुमार, जसप्रित बुम्राह आ केदार जादव दु दु के साथे रविन्द्र जडेजा एक विकेट लेलनि । भारत आ पाकिस्तानबिचके फाइनल खेल रबिदिन ह्यात ।

Share.

Leave A Reply