चारि करोड ७५ लाख रुपैयाँ बराबरके विदेशी मुद्रासहित चिनियाँ पक्राउ

0

बैशाख—२८गते,नेपाल प्रहरीके महानगरिय अपराध महाशाखा ४ करोड ७५ लाख रुपैयाँ बराबरके अवैध विदेशी मुद्रासहित पाँच चिनिया नागरिकके पक्राउ कएलकअछि । काठमाडौसँ रसुवाके केरुङ जाय लागल चिनिया नागरिक थानकोटसँ पक्राउ परलअछि । प्रहरीके अनुसार ओकरासभके साथसँ ३ लाख ४९ हजार डलर, ६८ हजार युरो, १७ हजार ७ सय चिनिया युआन, २९ लाख जापनिज युआन, २२ सय स्विस फ्रयाङ, १४ सय अस्ट्रेलियन डलर, ११ सय पाउण्ड स्र्ट्लिङ आ २४ हजार नेपाली रुपैयाँ बरामद भेलअछि ।चिनियाँसभ थर्मस, चप्पलके सोल, झोराके फित्तामे ओतेक बेरका रकम नुका छिपाक लऽजाय लागलछल । ओ रकम कतसँ कोन प्रयोजनके लेल लजाय लागल कहि ओ सभ बयानमे खुजौने नै अछि ।

 

 

 

Share.

Leave A Reply