घरमे बन्दुक आ गोलीके गोदाम बनाकऽ रख्ने भूमिगत समूहके २ गोटे पक्राउ

0

चैत–१० गते,तराइअक जिल्लासभमे भूमिगत रुपमे सशस्त्र गतिविधि करति आएल  मधेस राष्ट्र जनतान्त्रिक पार्टीके दु गोटेके प्रहरी हतियारसहित पक्राउ कएनेअछि ।भूमिगत समूह मधेस राष्ट्र जनतान्त्रिक पार्टीमे विगत ६ वर्षसँ धनुषा इन्चार्ज रहल धनुषा ठाडिझिझा–५ के ३५ वर्षक प्रमोद ठाकुर बडेरी आ झटियाही– ७ के ३८ वर्षक रामउद्गार यादवके धनुषा प्रहरी पक्राउ कएनेअछि । जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषासँ खटल विषेश प्रहरी टोली धनुषाधाम नगरपालिका–९ धारापानी चोकसँ ओकरासभके पक्राउ कएने जनौलकअछि । दुनु गोटे भूमिगत संगठनके नाममे गोली प्रहार कएने, बम बिष्फोट करौने, धाकधम्की दऽक चन्दा असुली कएने तथा हातहतियार आ खरखजना मुद्धाके फरार अभियुक्त रहल प्रहरी जनौलकअछि ।प्रहरीके अनुसार प्रमोद ठाकुर गत फागुन १ गते सिरहा मिर्चैयामे माओवादी केन्द्रके भातृ संगठन वाइसिएलके नेता लालु खानके गोली प्रहार कऽ घाहिल बनौने घटनामे फरार रहलछल ।ठाकुरके धनुषामे रहल आफन्तके घरसँ २०६९ जेठ ३० गते एस एम जी १ टा, अयमे लागबला म्याग्जीन १ टा, गोली १२ राउण्ड, १२ बोरके कटुवा पेस्तोल तीन टा, इटालियन पेस्तोल १ टा हतियार प्रहरी बरामद कऽ हतियार तथा खरखजना मुद्धा दायर कएनेछल ।  ठाकुर किछ वर्षआगाधरि घरमे बन्दुक आ गोलीके गोदाम बनाबिक रखति आएल प्रहरी बतौनेअछि ।अहिना रामउदगार २०७० पुस १० गते धनुषाके रघुनाथपुर–४ पचहरवा अन्तर्गतके मध्यमाञ्चल सिँचाई विकास डिभिजन कार्यालयके घरमे हातहतियार सहित कार्यालयके कर्मचारीके मारपिट कऽ कार्यालय भवनमे आगि लगाक दु लाख आठ हजार पाँच सय रुपैयाँ बराबरके धनमाल जराकऽ क्षति पहुँचौने आ मधेस राष्ट्र जनतान्त्रिक पार्टी प्रवेश कएने प्रहरी जनौलकअछि ।

 

 

Share.

Leave A Reply