गोरखामे कांग्रेस आ माओवादी कार्यकर्ताबिच झडप, प्रहरीद्वारा हवाई फायर

0

 

बैशाख—२८गते,चुनाव प्रचारक क्रममे गोरखाके गण्डकी गाउँपालिका–८ घ्याल्चोकके खसटारमे नेपाली कांग्रेस आ नेकपा माओवादी केन्द्रक कार्यकर्ताबिच झडप भेलअछि । घरदैलो कार्यक्रममे रहल दुनु पार्टीबिच आमने सामने भेट भेलाकबाद झडपके अवस्था बनलअछि ।माओवादी केन्द्रसभ घरदैलो कऽरहल बाट भऽक कांग्रेस कार्यकर्ता सेहो घरदैलोमे गेल आ बाट पार कऽक अगाडि बढ्वाक क्रममे झडप भेल सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी केशवराज शर्मा बतौलनिअछि । झडपके क्रममे दुनु पक्षसभ  घरेलु हतियार एक दोसर पक्षके आक्रमण कऽर खोज्ने स्थानीय बासिन्दासभ बतौनेअछि ।अही क्रममे प्रहरी जवान विनोद प्रसाद कुर्मीके हातमे पाथैरसँ लागिक सामान्य घाहिल भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय जनौलकअछि । माओवादी कार्यकर्तासभ कांग्रेसक कार्यकर्ता चढल एकटा बोलेरो जिपमे तोडफोड कएने प्रारम्भिक जानकारी आएल सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी शर्माके कहबअछि ।स्थिति नियन्त्रणमे लेब प्रहरी दुई राउण्ड हवाईफायर समेत कएनेअछि । हवाई फायरबाद दुनु पक्ष तितरवितर भेलछल । जिल्ला सदरमुकामसँ डिएसपी विरेन्द्र थापाके नेतृत्वमे थप प्रहरी घटनास्थल पठौने शर्मा बतौलनिअछि ।

 

 

 

Share.

Leave A Reply