खाना पकाबबला ग्यासके मूल्य घटल, आओर इन्धनके मूल्य यथावत

0

श्रावण १७ गते,सरकार खाना पकाबबला ग्यासके मूल्य पुनः घटौलकअछि । नेपाल आयल निगम प्रतिसिलिण्डर २५ रुपैयााके दरसँ ग्यासके मूल्य घटौलकअछि ।
आब खाना पकाबबला एक सिलिण्डर ग्यासके मूल्य १३ सय २५ रूपैयाँमे झरलअछि । नयाँ मूल्य मंगलदिन मध्यरातिसँ लागू ह्यात ।
मूल्य घटौलाकऽबादो आयल निगमके एक सिलिण्डर ग्यासमे ७४ रुपैयाँ ९० पैसा अखनो नाफा रहलअछि ।
पेट्रोल, डिजेल, मट्टीतेल आ हवाइ इन्धनके मूल्य यथावत अछि । नयाँ दरअनुसार निगमके प्रतिलिटर पेट्रोलमे ४ रुपैयाँ ८४ पैसा नाफा आ डिजेलमे १ रुपैयाँ १८ पैसा घाटा रहलअछि । तहिना मट्टीतेलमे १७ रुपैयाँ १३ रुपैयाँ नाफा, हवाइ इन्धन (आन्तरिक) मे ९ रुपैयाँ १६ पैसा नाफा, आ हवाइ इन्धन (बाहृय)मे २० रुपैयाँ २९ पैसा नाफा अछि ।
हाल प्रतिलिटर पेट्रोलके मूल्य ९८ रुपैयाँ, डिजेल आ मट्टीतेलके मूल्य ७४÷७४ रुपैयाँ, हवाइ इन्धन (आन्तरिक) के मूल्य ८२, हवाइ इन्धन (बाहृय) के ७५ रुपैयाँ आ ग्यासके प्रतिसिलिण्डर मूल्य ग्यास १ हजार ३ सय ५० रुपैयाँ अछि ।
हाल निगमके पेट्रोलमे ५ रुपैयाँ ९१ पैसा नाफा, डिजेलमे १ रुपैयाँ १८ पैसा घाटा, मट्टीतेलमे १७ रुपैयाँ नाफा, हवाइ इन्धन (आन्तरिक) मे ९ रुपैयाँ १६ पैसा नाफा, हवाइ इन्धन (बाहृय) मे २० रुपैयाँ २९ पैसा नाफा आ ग्यासमे ९६ रुपैयाँ नाफा अछि।
निगमके अनुसार विगत १५ दिनमे पेट्रोलियमसँ ३३ करोड ८६ लाख रुपैयाँ नाफा भेलअछि ।

Share.

Leave A Reply