कामु प्रधानन्यायाधीश गोपाल पराजुलीद्वारा पदभार ग्रहण

0

बैशाख १८गते,सर्वोच्च अदालतके वरिष्ठतम् न्यायाधीश गोपाल पराजुली कायममुकायम प्रधानन्यायाधिश नियुक्त भेलछथि । ओ सोमदिन सार्वजनिक विदा भेलाक कारणे रबिएदिन साँझ पदभार ग्रहण कएनेछथि ।पदभार ग्रहणबाद सञ्चारकर्मीसभ सँग संक्षिप्त प्रतिक्रिया दैत पराजुली अपने सदैव संविधान आ कानूनके पालना कर्वाक प्रतिक्रिया देलनि । ‘न्यायालय सदैव संविधान आ कानून अनुसार आगा बढ्पर,’ओ कहलसिन ।पराजुली प्रधानन्यायाधीश कार्कीउपर महाअभियोग प्रस्ताव दर्ता होनाई ‘दुखद’कहति आओर थप प्रतिक्रिया देब नै चाहलथि । ओ अपने कोनो विवादमे नै परल आ अपन सम्पूर्ण कागजात सम्बन्धित निकायमे पेश भेल बतौलनि ।अहिबीच, प्रगतिशिल तथा पेशागत कानून व्यवसायी संगठनके रबिदिन बैसल बैसारसँ महाअभियोग प्रस्तावके विरोधमे प्रदर्शन कर्वाक निर्णय कएनेअछि । संगठनसभ देशभर सब बार इकाइसभमे मंगदिन साढे १ बजे विरोध कार्यक्रम कर्वाक अध्यक्ष रुद्र नेपाल जारी कएने विज्ञप्तिमे जनाओलगेलअछि ।‘यी महाअभियोग प्रस्तावसँ स्वतन्त्र न्यायपालिका, विधिके शासन आ संवैधानिक सर्वोच्चताउपर गम्भिर प्रहार कएनेअछि,’ विज्ञप्तिमे कहलगेलअछि, ‘प्रधानन्यायाधिश कएने राष्ट्रियता रक्षा आ भ्रष्टाचार विरोधी आ विधिके शासनसम्मत निर्णयके विरुद्धमे तथा निर्देशित न्यायपालिकाके पक्षमे यी महाअभियोग प्रस्ताव अएलासँ अविलम्ब फिर्ता लेबके माग अछि ।’अहिबीच महाअभियोगके विरोधमे नागरिक अलायन्स सोमदिन दुपहर ३ बजे मण्डलामे प्रदर्शन कर्वाक जनौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply