काठमाडौंके ८ नगरमध्ये ४ मे कांग्रेस, ४ मे एमालेके अग्रता

0

जेठ १ गते, काठमाडौं उपत्यकाके विभिन्न चारि नगरपालिकाके मेयरमे नेपाली कांग्रेस अग्रता लेलाकबाद एमाले सेहो चारु नगरपालिकामे अग्रता लेनेअछि ।
कागेश्वरी, चन्द्रागिरि, गोकर्णेश्वर आ टोखा नगरपालिकाके मेयरमे नेपाली कांग्रेसक उम्मेदवारसभ अग्रता लेनेअछि तँ कीर्तिपुर, दक्षिणकाली, बुढानीलकण्ठ आ शंखरापुरमे एमाले अग्रता लेलकअछि ।
कागेश्वरीमे कांग्रेस उम्मेदवार ३७२ आ एमाले उम्मेदवार २१५ मत लओनेअछि । चन्द्रागीरीमे कांग्रेस ४६६ आ एमाले २८१ मत लओनेअछि । गोकर्णेश्वर नगरपालिकामे कांग्रेस १२१ आ एमाले १०९ मत लओनेअछि । तहिना टोखामे कांग्रेसके ४५९ आ एमालेके ४२६ मत रहलअछि ।
शंखरापुर नगरपालिकाके मेयरमे एमाले अग्रता लेनेअछि । नेकपा एमाले ७४८, माओवादी ५१६ आ कांग्रेस ३४८ मत लओनेअछि ।
बुढानीलकण्ठ नगरपालिका एमाले उम्मेदवार ८७९ मत प्राप्त कएनेअछि । नेपाली कांग्रेस ५५५ आ माओवादी केन्द्र २४८ मत लओनेअछि ।
दक्षिणकालीमे एमाले ३९२ आ कांग्रेसके १७२ मत अछि तँ शंखरापुरमे एमालेके ७४८ आ माओवादीके ५१६ मत रहलअछि तँ कांग्रेसके ३४८ मत रहलअछि ।

Share.

Leave A Reply