काठमाडौंके एक होटलसँ मृत महिला भेटल

0

बैशाख २५गते,कोटेश्वर आकासेपुलस्थित होटल होम गेष्ट हाउस एण्ड रेस्टुराँके तेसर तलाके कोठामे रबिदिन एक युवती शंकास्पद अवस्थामे मृत भेटलअछि ।महानगरीय प्रहरी प्रभाग, कोटेश्वरके प्रमुख, प्रहरी निरीक्षक पुरुषोत्तम पाण्डे मृतक काभ्रे महाँकालचौर–८ घर भेल २८ वर्षक लक्ष्मी तामाङ भेल जानकारी देलनिअछि ।मृतक तामाङ आ वतन नै खुजल विष्णु सापकोटा नामक व्यक्ति शनिदिन अपनेसभ श्रीमान् श्रीमती कहि होटलमे बैसल आ रबिदिन सापकोटा विमानस्थल जाऽक साथी लऽक अबैछि कहि गेलछल ।सापकोटा घुरिक नै अओलाकऽबाद गेष्ट हाउसमे काज करबला व्यक्तिसभ कोठामे जाऽक देख्लापर कोठाके बाहरदिससँ चुकुल लगौने आ कोठाभित्र तामाङके मृत शरिर भेटलछल ।

 

Share.

Leave A Reply