एसपी चौधरीके सरुवासँ पूर्व गृहमन्त्री सशंकित, सरुवा रोकऽगृहमन्त्री आ आइजिपीके दवाव

0

श्रावण १९ गते,प्रहरी उपरीक्षक मिरा चौधरीके सरुवा रोकऽ प्रहरी प्रधान कार्यालयमे दवाव आएलअछि । साउन १७ गते प्रहरी प्रधान कार्यालय ७० गोटे एसपीके सरुवा कएनेछल । सरुवा भेल ७० एसपीमध्ये केन्द्रीय अनुसन्धान व्यूरोके एसपी मिरा चौधरीके जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषाके जिम्मेवारी देनेछल । धनुषाक एसपी लालमणि आचार्यके प्रहरी प्रधान कार्यालय आतंकवाद नियन्त्रण महाशाखामे खटौनेछल ।
मुद्दा,अखन एसपी मिरा चौधरीके धनुषा नै पठाब आ अखन धनुषामे कार्यरत एसपी आचार्यके निरन्तरता देबऽ आइजिपी आ गृह मन्त्रीउपर दवाद आएल स्रोत बतौलकअछि । पूर्व गृहमन्त्री विमलेन्द्र निधि गृह मन्त्री जनार्दन शर्माके एसपी लालमणि आचार्यके सरुवा तत्काल रोकऽ आग्रह कएनेअछि ।
आइजिपी प्रकाश अर्याल आ गृहमन्त्री जनार्दन शर्माके बेसी दवाद दऽक अपन निकट मानलगेल एसपी लालमणिके निरन्तरता देबऽलागल प्रहरी प्रधान कार्यालयके एक डिएसपी जानकारी देलनिअछि ।
अयसँ आगा सेहो अपने गृहमन्त्री भेल बेर निधि धनुषामे कार्यरत एसपी रामदत्त जोशीके फिर्ता बजाक अपन विश्वास पात्र लालमणिके धनुषाके प्रहरी प्रमुख बनौनेछल । अपने घुस्कौने एसपीके सरुवा करतिकाल एको बेर पुछताछ नै कएने कहति पूर्वगृहमन्त्री निधि आपत्ति जनौने स्रोतके बुझाई अछि ।
अपने गृहमन्त्री भेल बेर मिलक काज कएलासँ अखन सेहो मिलक काज करपर्वाक कहति पूर्वगृहमन्त्री निधि जनार्दन शर्माके फोन कएनेछथि । निधि स्थानीय तहके दु नम्बर प्रदेशके चुनाव आगा अपन जिल्लाके एसपीके सरुवा नै कऽर गृहमन्त्री जनार्दन शर्माके आग्रह कएलाकऽबाद धनुषाके एसपीके सरुवा अन्योलमे परलअछि ।

Share.

Leave A Reply