एसएलसीमे ५ लाख ३८ हजार सहभागी भऽरहल,छात्रसँ छात्रा दु हजार बेसी

0

चैत–१ गते,लोहाक गेँटक रुपमे परिभाषित एसएलसी परीक्षामे अय बर्ष कुल ५ लाख ३८ हजार १ सय ८२ परीक्षार्थी सहभागी भऽरहलअछि । अय वर्षसँ उक्त परीक्षाके माध्यमिक शिक्षा परीक्षा (सकेन्डरी एजुकेसन एक्जामिनेसन आ एस ई ई) नाम देलगेलअछि । संशोधित शिक्षा ऐनअनुसार कक्षा १२ धरि माध्यमिक तह कायम भेलासँ कक्षा १० के परीक्षाके एस ई ई नामकरण कएलगेलअछि । यी परीक्षार्थी संख्या नियमित, आंशिक ग्रेडवृद्धि आ एक्जेम्टके अछि ।सहभागी नियमित परीक्षार्थी मध्ये २ लाख ३५ हजार ३ सय २ छात्रा अछि तँ छात्र संख्या २ लाख ३३ हजार ९८ रहलअछि । याह् चैत ३ गते भिन्सर ८ बजेसँ देशभरि एकसाथ सुरु होबबला परीक्षा साधारणदिस चैत ११ आ प्राविधिकदिस १४ गते सम्पन्न होएवाक परीक्षा नियन्त्रण कार्यालय जनौलकअछि ।परीक्षाक लेल देशभरि १ हजार ९ सय २३ केन्द्र, तहिना ओतव्याह् संख्यामे केन्द्राध्यक्ष, २ हजार ६ सय ४६ सहायक केन्द्राध्यक्ष, २२ हजार ४ सय ६१ निरीक्षक, सहयोगरी आ सुरक्षाकर्मी सहित ६७ हजार ५ सय ९१ जनशक्ति खटौने परीक्षा नियन्त्रक अम्बिका प्रसाद रेग्मी जनौलनिअछि ।परीक्षा अनुगमनके लेल मन्त्रालय सहसचिवके नेतृत्वमे १८ टा अनुगमन टोली खटौनेअछि । तहिना कऽ क्षेत्रीय शिक्षा निर्देशनालय आ जिल्लामे माध्यमिक शिक्षा उत्तीर्ण परीक्षा समन्वय समितिके अनुगमन टोली खट्वाक जनौलकअछि । परीक्षामे अमर्यादित काज करबलासभके आ कराबबला भेट्लापर कडा कारबाही कर्वाक जनाओलऽगेलअछि ।

Share.

Leave A Reply