एसईईके नतिजा एकहप्ता भितर आओत

0

जेठ २६ गते,परीक्षा नियन्त्रण कार्यालय सानोठिमी एसएलसीके रुपान्तरित माध्यामिक शिक्षा परीक्षा अर्थात सेकेन्डरी एजुकेसन एक्जाम (एसईई) के नतिजा सार्वजनिकके अन्तिम तयारी कएलकअछि ।
एकहप्ता भितर नतिजा सार्वजनिक कर्वाक तयारीके साथ तीब्र रुपमे काज भऽरहल कार्यालय जानकारी करौलकअछि । एसईईके परीक्षार्थीके नतिजा सार्वजनिक कर्वाक लेल डाटा ईन्ट्री कर्वाक काज, रुजु कर्वाक काज लगायत परीक्षार्थीके विषयगत नतिजामे कोनो त्रुटी भेल नै भेल देख्वाक काज भऽरहल कार्यालयके परीक्षा नियन्त्रण अम्बिका रेग्मी जानकारी देलनिअछि ।
ओ कहलनि ‘जतेक जल्दी भऽ सके नतिजा सार्वजनिक कर्वाक लेल तीब्र गतिमे काज भऽरहलअछि, कोनो समस्या नै आएल तँ अषाढके सुरुएमे नतिजा सार्वजनिक करब, नतिजा सार्वजनिक करति काल त्रुटी नै होए कहि काज भऽरहलअछि ।’
संशोधित शिक्षा ऐन अनुसार कक्षा १२ धरि माध्यामिक शिक्षा कायम भेलाकऽबाद अय वर्षसँ लागु भेल माध्यमिक शिक्षा परीक्षा (एसईई) के यी पहिल नतिजा ह्यात । परीक्षामे देशभरिसँ २ लाख ५९ हजार ७३२ छात्र आ २ लाख ७८ हजार ४५० छात्रा कऽ कुल ५ लाख ३८ हजार १८२ परीक्षार्थी सहभागी भेलछल ।

Share.

Leave A Reply