एसइइ पूरक परीक्षा आजसँ सुरु

0

श्रावण १९ गते,माध्यमिक शिक्षा परीक्षा (एसइइ) २०७३ के पूरक परीक्षा बृहस्पतिदिनसँ सुरु भेलअछि । परीक्षामे डेढ लाख विद्यार्थी सहभागी भेल परीक्षा नियन्त्रण कार्यालय सानोठिमी जनौलकअछि ।
पहिल दिन बृहस्पतिदिन अनिवार्य अंग्रेजी तथा वेदविद्याश्रमदिस अनिवार्य संस्कृत भाषा आ साहित्यके परीक्षा भेलअछि । परीक्षा आबबला बृहस्पतिदिनधरि चलत ।
नियमित तथा एक्जेम्टेड समूहसँ परीक्षामे सम्मिलित भऽक सी, डी प्लस आ इ ग्रेड लओने परीक्षार्थीके ग्रेडवृद्धिक लेल कहति परीक्षा नियन्त्रण कार्यालय सानोठिमी पूरक परीक्षा लेलकअछि ।

Share.

Leave A Reply