एमाले आ मधेश केन्द्रित दल दुनु बिखण्डनवादी रहल श्रम मन्त्रीके आरोप

0

श्रावण १८ गते,श्रम तथा रोजगार मन्त्री फरमुल्ला मन्सुर नेकपा एमाले आ मधेश केन्द्रित दल दुनु बिखण्डनवादी रहल आरोप लगौलनिअछि।
महोत्तरीके जलेश्वरमे बुधदिन आयोजित पत्रकार भेटघाट कार्यक्रममे ओ, ‘एमाले आ मधेश केन्द्रित दलके हठके कारण संविधान पूर्णता आ सर्वस्वीकार्यता पाब नै सकिक देश विकासके गतिमे अवरोध उत्पन्न भेलअछि कहलनि ।’
मन्त्री मन्सुर एमाले हमेसा पहाडवादी राष्ट्रवादके नारा लगाकऽ मधेश आ मधेशीके गाली आ अपमानित करजका पहाडी समुदायके मधेश विरोधी खडा करके तथा मधेश केन्द्रित दलसभ हमेसाँ मधेशवादी राष्ट्रवादके नारा लगाक पहाड आ पहाडी समुदायके गाली आ अपमानित कर्वाक काज कऽक देश बिखण्डनके दिशामा चलाब खोज्ने आरोप लगौलनिअछि ।
नेपाली कांग्रेस शुरुएसँ संविधानके संशोधन आ परिमार्जन कऽक मधेशी, थारु, आदिवासी जनजाति, पीछडा वर्गलगायत सब नेपालीके माग सम्बोधन कऽ संविधानके सर्वस्वीकार्यके दायरामे लऽजाय तयार रहल चर्चा करति ओे संविधान संशोधन तथा मधेशीलगायत सब वर्ग समुदायके माग पूरा कर्वाक वातावरण निर्माणक लेल कांग्रेस जिम्मेवारीपूर्वक कार्य कऽरहल बतौलनिअछि ।
मन्त्री मन्सुर राजपा उठौने शहिद घोषणा, घाहिलके उपचार लगायतक माग पूरा होएवाक अवस्थामे रहल आ ओ सब काज नेपाली काँग्रेसे करौने दाबी करति नेपाली जनताके हक, अधिकार, देशमे दिर्घ शान्ति आ विकासक लेल नेपाली कांग्रेस हमेसा तत्पर रहल बतौलनि ।
सभक अधिकार, पहिचान आ स्वाभिमानके रक्षा तथा देशके विकास आ समृद्धिक लेल तेसर चरण अन्तर्गत होबबला स्थानीय तहलगायत तिनु तहके निर्वाचनमे काँग्रेसके पूर्ण बहुमतके साथ जिताब सबमे ओे अपिल कएलनिअछि ।
पत्रकारद्वारा पुछलगेल एक प्रश्नके जवाफमे मन्त्री मन्सुर महोत्तरी लगायत तराई क्षेत्रमे पर्याप्त सम्भावना आ अवसर रहल उद्योग, कलकारखाना स्थापनाक लेल सरकार गम्भीर रहलअछि बतौलनि ।

Share.

Leave A Reply