एमालेद्वारा संसद अवरुद्ध, २१ गतेधरिके लेल बैसार स्थगित

0

जेठ १९ गते,प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेकपा एमाले भरतपुर महानगरपालिकाके मतगणना सुचारुके माग करति बृहस्पतिदिन सेहो व्यवस्थापिका संसद बैसार अबरोध कएलकअछि ।
सभामुख ओनसरी घर्ती बृहस्पतिदिनके संसद बैसार सुरु भेल जनबतिके साथ एमालेके सांसदसभ ठार भऽक बैसार अवरोध कएनेछल ।
अवरोधक बीच नेकपा माओवादीके सांसद रामनारायण विडारी नियमापत्ति जनौलाकऽबाद बैसारके माहोल अलगे बनलछल । प्रमुख प्रतिपक्षी नेकपा एमाले उठिक अवरोध जनारहल समयमे नियमापत्तिके लेल बाज देब नै सक्वाक सभामुख बतौलाकऽबाद सांसद विडारी एकतर्फी नियमापत्ति कहलाकऽबाद बैसार हँसिसँ गुञ्जयमान भेलछल ।
एमालेके सांसदसभ ठार भऽक विरोध जनौलाकबाद सभामुख घर्ती जेठ २१ गते भिन्सर ११ बजे धरिके लेल बैसार स्थगित कएलनिअछि ।
संसद सचिवालय बृहस्पतिदिनके बैसारमे राष्ट्रपतिके कार्यालयसँ बहुमतके आधारमे प्रधानमन्त्रीके निर्वाचन सम्पन्न कर्वाक सम्बन्धी पत्रके व्यहोरा सभामुख पढिक सुनाबके , अर्थमन्त्री कृष्ण बहादुर महरा आर्थिक बर्ष २०७४ ÷०७५के राजश्वर आ व्ययके बार्षिक अनुमानउपर छलफल सुरु कएलजाय कहिक प्रस्ताव पेश करके कार्यसुची तय कएनेछल ।

Share.

Leave A Reply