एमालेद्वारा निर्वाचन घटनाके संसदीय छानविनके माग

0

जेठ ४ गते,प्रमुख प्रतिपक्षी एमाले चुनावक क्रममे सत्ता गठबन्धनके दिससँ किछ स्थानमे आपराधिक आ अराजनीतिक गतिविधि भेल कहति संसदीय छानविन समिति गठनके माग कएलकअछि ।
पहिल चरणके निर्वाचन परिणाम आबिरहल बेर चुनावके समिक्षा कऽर बुधदिन बैसल स्थायी समिति बैसारसँ बिषेश कऽ दोलखा, सिन्धुपाल्चोक, धादिङ, काभ्रे, रसुवा, हुम्ला, रुकुम, नुवाकोट, मकवानपुर, रामेछाप लगायतक जिल्लासभमे अराजनीतिक किसिमके गतिविधि भेल निष्कर्ष निकाल्लकअछि ।
राज्यसत्ताके दुरुपयोग समेत कऽ निर्वाचन आचारसंहिता उल्लंघन करबला क्रियाकलापके गम्भीरताक साथ लैत आवश्यक कारबाही कऽर एमाले निर्वाचन आयोगके समेत ध्यानाकर्षण करौलकअछि ।
‘निर्वाचनके सिलसिलामे भेल एहन घटनासभके छानविन कऽ दोषीसभ उपर कारबाही कऽर संसदीय छानविन समिति गठन करसमेत माग कएने एमाले प्रचार विभागप्रमुख योगेश भट्टराईद्वारा जारी विज्ञप्तीमे उल्लेखअछि । निर्वाचनक क्रममे भेल घटनामे दोलखाके कुलबहादुर तामाङ, काभ्रेके नवराज पाठक आ कालिकोटके धनबहादुर बटाला जान गुमौने उल्लेख करति परिवारके उचित क्षतिपूर्ति देबऽ सरकारसंँ माग कएनेअछि । तहिना घाहिल मकवानपुरके श्याम दाहाल आ दोलखाके दिलबहादुर बुढाथोकी लगायतक घाहिल भेलसभके उपचारक व्यवस्था कऽर एमाले सरकारसँ माग कएनेअछि ।
पहिल चरणके चुनाव भऽगेल अवस्थामे दोसर चरणके लेल स्थानीय तहके संख्या सिमा फेरबदल कर्वाक तयारीप्रति आपत्ति जनबति कोनो हालतमे ओय दिशामे जाय नै होबके अडान रख्नेअछि ।
‘निर्वाचनक सम्पूर्ण तयारीके काजसभ अन्तिम चरणमे भऽगेल अवस्थामे भ्रम आ अन्योल उत्पन्न करऽजका स्थानीय तहके सीमांकन आ संख्याके हेरफेर कर्वाक बात एमालेके लेल स्वीकार्य नै होबके बात पुनः स्पष्ट करौलकअछि ।
विना औचित्य संविधान संंशोधन प्रस्ताव आगा बढौने कहति एमाले ओयके फिर्ता लेबपर्वाक धारणा रख्नेअछि ।

Share.

Leave A Reply