एमालेके हराबके षडयन्त्र करबलासभ अपने हारलः माधव नेपालके कथन

0

श्रावण ३ गते,नेकपा एमालेके नेता एवम् पूर्व प्रधानमन्त्री माधवकुमार नेपाल एमालेके हराब खोजबला शक्तिसभ अपने हारल बतौलनिअछि ।
सत्तारूढ दल कांग्रेस आ माओवादी केन्द्रसभ सत्ताके दुरूपयोग कऽ स्थानीय तहके निर्वाचनमे एमालेके हराबके षडयन्त्र कएने आरोप लगबति ओे सफल होबऽ नै सकल बतौलनि ।
युवा संघ नेपाल रूपन्देही मंगलदिन बुटवलमे आयोजना कएने नवनिर्वाचित जनप्रतिनिधिसभके बधाई तथा सम्मान कार्यक्रममे बजति नेपाल कहलनि, ‘एमाले निचा नै झरलअछि ओ उपर चैढ्रहलअछि । हमरासभके हराबके षडयन्त्र करबलासभ अपने हारलअछि ।’
‘एमालेके हराब एकेटा गाउँपालिकाके वडासभके रमहर ओमहर कऽक अनेक षडयन्त्र कएलगेल,’ नेता नेपाल थप्लनि, ‘सत्तारूढ दलके षडयन्त्रके बीच एमाले पहिल पार्टी बनलअछि ।’
आबबला आश्विन २ गते होबबला प्रदेश नम्बर दुके चुनाबमे सेहो एमाले पहिल पार्टी बनके ओ बतौलनि ।

Share.

Leave A Reply