एमालेके सभा होबऽलागल दिन मोर्चा आ प्रहरीके झडपमे घाहिल भेल वृद्धके मृत्यु

0

चैत–६ गते,बाँकेके सोनपुरमे प्रहरीसाथेके झडपमे परल सोनपुर ८ के ७२ वर्षक जमिल भाटके निधन भेलअछि ।चैत १ गते नेपालगञ्जमे एमालेके सभा होबबला दिनमे सोनपुरमे मधेसी मोर्चाक कार्यकर्ता आ प्रहरीबिच झडप भेलासँ दुनुदिससँ १० गोटेसँ बेसी घाहिल भेलछल । घाहिल सब उपचारकऽबाद घर घुरलछल । मुद्दा भाटके शुक्रदिन फेरसँ उपचारक लेल नेपालगञ्ज शिक्षण अस्पताल लाओलगेलछल ।जिल्ला प्रहरी कार्यलय बाँकेके प्रहरी निरीक्षक वीरबहादुर गिरी जमिलके दमके कारण निधन भेल बतौलनिअछि । संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चा बाँके  प्रहरी कारबाहीमे घाहिल भऽक निधन भेल जमिलके शहीद घोषणा कऽ हुनक निधनके विषयमे छानबिन कऽ दोषिके कारबाही कऽर आ पीडित परिवारके क्षतिपूर्तिके ब्यवस्था कऽर माग कएनेअछि ।

 

Share.

Leave A Reply