एक हप्ताभितर पद त्याग कर्वाक प्रधानमन्त्रीके घोषणा

0

जेठ १ गते, प्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ एक हप्ताभितर अपने पद त्यागके घोषणा कएलनिअछि । राष्ट्रिय जनता पार्टीके अध्यक्ष मण्डलके सदस्यसाथे सोमदिन बालुवाटारमे भेल भेटमे प्रधानमन्त्री प्रचण्ड एक हप्ताभितर अपने व्यवस्थापिका संसदमे सम्बोधन कऽक पद त्याग कर्वाक घोषणा कएलनिअछि ।
कांग्रेस आ माओवादी केन्द्रबीच गत साउनमे भेल भद्र सहमति अनुसार आब काँग्रेस सभापति शेरबहादुर देउवा प्रधानमन्त्री बनके निश्चित भेलअछि ।
बैसारमे सहभागी राजपाके नेता राजकिशोर यादवके अनुसार, ‘प्रधानमन्त्री हमरासभके एक हप्ता भितर पदसँ राजीनामा देबके आ ओयसँ अगाडिए हमरसभक माग सम्बोधन होबऽजका संविधान संशोधन कराएब कहनेछथि ।’
बैसारमे प्रधानमन्त्री प्रचण्ड राजपाके नेतासभ महन्थ ठाकुर, राजेन्द्र महतो, शरदसिंह भण्डारी, महेन्द्र प्रसाद यादव, राजकिशोर यादव आ अनिलकुमार झा सहभागी रहलछलथि ।

Share.

Leave A Reply