एक वर्ष भितर सार्वजनिक स्थलमे निःशुल्क वाईफाई

0

श्रावण १८ गते,मुलुकभरिके सार्वजनिक स्थलमे निःशुल्क वाईफाई चलैवाक योजना बनौने नेपाल टेलिकम हाल उपत्यकाके चारि ठामँमे यी सेवा सुरु कएनेअछि । बेसी भीडभाड रहल आ उपभोक्ताके आवश्यकता बेसी पर्लासँ मुलुकभरिके सार्वजनिक ठामँमे इन्टरनेट सेवा उपलब्ध करैवाक उद्देश्य अनुरुप टेलिकम यी सुरुआत कएनेअछि ।
टेलिकम हाल मुलुकके एम मात्र अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल, वीर अस्पताल, त्रिभुवन विश्वविद्यालय शिक्षण अस्पताल आ नर्भिक अस्पतालमे निःशुल्क वाईफाई उपलब्ध करबति आएलअछि ।
उपत्यकासँ निःशुल्क वाईफाई सेवा सुरु कएने टेलिकम निकट भविष्यमे देशके सार्वजनिक ठामसभमे सेवा विस्तार कर्वाक योजना बनौनेअछि । मुलुकभरिके सार्वजनिक स्कुल, हेल्थ पोस्ट, नगरपालिका, गाउँपालिकाके कार्यालय आ अन्य भीडभाड होबबला सार्वजनिक स्थानमे निःशुल्क वाईफाई वितरण कर्वाक योजना रहल टेलिकम जनौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply