एके परिवारके चारिगोटे मृत्यु प्रकरण सीआईबी सुुरु कएलक अनुसन्धान

0

श्रावण ७ गते,एके परिवारके चारिगोटे मृत भेट्लाकऽबाद घटनामे नेपाल प्रहरीके केन्द्रीय अनुसन्धान व्युरो (सीआईबी)के टोलीसभ अनुसन्धान सुरु कएलकअछि । डिएसपी अरुण पौड्याल नेतृत्वमे चिकित्सक सहितके टोलीसभ घटनास्थलमे जाऽक अनुसन्धान सुरु कएलकअछि । घटनास्थलमे आफन्त आ स्थानीयके भीड लागलछल । पोस्टमार्टमके लेल त्रिवि शिक्षण अस्पताल लजएवाक तयारी भेलाक बादो आक्रोशित आफन्तसभ घटना शंकास्पद भेल कहति शव उठाब नै मान्नेछल । भीड नियन्त्रण कऽर प्रहरीके बल प्रयोग करपरलछल ।
शुक्रदिन बनेपा पुरान बसपार्क स्थित गौतम भोजनालयमे एके परिवारके चारिगोटे मृत भेटलछल । ३२ वर्षीय राजाराम दाहाल, ओकर ६५ वर्षक बाबु हरिभक्त, ६० वर्षीया माय हरिमाया, २५ वर्षीय बहिन रञ्जना होटलेमे मृत अवस्थामे भेटलअछि । दुनुदिसके ढोकाभितरेसँ बन्द कएने अवस्थामे सटर तोरिक भितर पैस्लापर चारु गेटे मृत भेटल जिल्ला प्रहरी प्रमुख एसपी सहकुल बहादुर थापा जानकारी देलनिअछि । सटर बन्द भेलाकऽबादो सीसा फुटल देख्लाकऽबाद स्थानीयसभ प्रहरीके खबर कएनेछल । घटनास्थलसँ प्रहरी सेलफस नामके विषके सिसी भेटौनेछल । थप अनुसन्धान आगा बढौने एसपी थापा बतौलनिअछि ।
बनेपा २ टुकुचा नालाके स्थायी दाहाल ८÷९ वर्षसँ बनेपामे होटल सञ्चालन करति आएलछल । राजारामके दुटा कनियाँ अछि । जेठकी कनिया कमला, बेटा सुरज आ बेटी मनिका टुकुचा नालेमे बैसति आएलअछि तँ छोटकी कनियाँ पूजा आ बेटा पुजन बनेपास्थित घरमे बैसति आएलअछि । हरिभक्तके ८० वर्षीय छोटकी माय छलमाया सेहो ओकरे साथमे बैसति आएलछल । २०७२ सालके भूकम्पकबाद बनेपामे घर बनाक परिवार बैसति आएलछल ।

Share.

Leave A Reply