उम्मेदवार वा प्रतिनिधि नै भेलाकऽबादो मतगणना कऽर आयोगके निर्देशन

0

निर्वाचन आयोग दोसर चरणके स्थानीय तह निर्वाचनक मतगणनामे दलक प्रतिनिधि उपस्थित नै होबके साथे ओ सभ मुचुल्कामे सहीछाप नै कएलाकऽबादो मतगणना कऽर निर्वाचन अधिकृतके निर्देशन देलकअछि ।
‘सब वा किछ उम्मेदवार वा ओकर निर्वाचन प्रतिनिधि वा मतगणना प्रतिनिधि उपस्थिति नै भेलामे वा ओकर उपस्थित भेलाकऽबादो सम्बन्धित मुचुल्कामे सहीछाप नै कएने अवस्थामे सेहो मतगणना कार्य अगाडि बढाबऽ सम्बन्धित सब मुख्य निर्वाचन अधिकृत आ निर्वाचन अधिकृतके निर्देशन देने आयोग विज्ञप्ती मार्फत जनौलकअछि ।
प्रमुख निर्वाचन आयुक्त डा. अयोधी प्रसाद यादवके अध्यक्षतामे शुक्रदिन बैसल आयोगक बैसारसँ मतगणना कार्यमे सब वा किछ उम्मेदवार वा ओकर प्रतिनिधि उपस्थित नै भेलापर वा उपस्थित भेलाकऽबादो मुचुल्कामे हस्ताक्षर नै कएलापर व्याह् व्यहोराके मुचुल्का कऽ कोनो उम्मेदवार वा ओकर प्रतिनिधि उपस्थित भेलापर ओकरसभके आ उम्मेदवार वा प्रतिनिधि उपस्थित नै भेलापर वा ओसभ सहीछाप नै कएलापर उपस्थित अन्य व्यक्ति तथा कर्मचारीके सहीछाप कराक मतगणना कार्य अगाडि बढाब निर्देशन देवाक निर्णय कएलगेलअछि ।
स्थानीय तह निर्वाचन ऐन, २०७३ के दफा ६० मे ‘यी ऐन वा अय ऐन अन्तर्गत बनल नियम बमोजिम निर्वाचन प्रतिनिधि वा मतदान प्रतिनिधि वा मतगणना प्रतिनिधि नियुक्त नै भेलापर वा उम्मेदवार वा ओकर कोनो प्रतिनिधि उपस्थित रहपर्वाक अवस्थामे उपस्थित नै रह्लापर वा ओकरासभ मध्ये केउगोटे करपर्वाक काज नै कएलापर व्याह् कारणसँ मात्र मतदानके वा मतगणनाके काम नै रोकाएत आ एहन काज कानून बमोजिम भेल मानलजायत ’ कहि व्यवस्था रहलअछि ।

Share.

Leave A Reply