इस्लाम धर्मावलम्बी मुसलमानके रमजान पावनी शुरु

0

जेठ १४ गते,इस्लाम धर्मावलम्बी मुसलमानके रमजान पावनी शनिदिनसँ सुरु भेलअछि । इस्लामी पात्रा हिजरी संवत अनुसार नवम्ँ महिना ‘रमजानल मुबारक’ मे विश्वभरिके इस्लाम धर्मावलम्बी मुसलमान एक महिनाधरि रोजा (व्रत) बैसतिअछि । आठम्ँ ‘साबान’ महिनाके अन्तिम दिनमे आकाशमे चन्द्रमा उदैलाकबाद रोजा बैस सुरु होईतअछि ।
इस्लामके पाँच आधार स्तम्भ इमान (आस्था), नमाज (प्रार्थना), हज (तीर्थ), जकात (दान) आ कल्मा मध्ये रोजा (व्रत) एक खम्बा अछि । दोसर महिनाके तुलनामा ‘रमजानल मुबारक’ महिनाके मुसलमानसभ पवित्र महिनाके रूपमे विश्वास करतिअछि ।
रमजान महिना दान कर्वाक महिना सेहो रहलअछि । धनाढ्यसभ गरिब आ विपन्नके आर्थिक सहयोग समेत करतिअछि । शास्त्र अनुसार बालिग (वयस्क) मुसलमानके रोजा अनिवार्य अछि । धनी, गरिब केकरो छुट नै अछि । मुसलमान समुदायमे रमजान विशेष महत्त्व रखतिअछि ।
रमजान महिनामे इस्लामके प्रवर्तक हजरत मोहम्मद उपर कुरआनके आयात (श्लोक) अवतरण सुरु भेलछल । रमजान महिनाके अन्तिम दसांशके कोनो एक बिजोडी रातिमे कुरआनके अवतरण सुरु होबऽ लागलछल । रोजा बैसबला व्यक्तिसभ सूर्योदय होबसँ करिब डेढ घण्टा अगाडिएसँ सूर्यास्त नै होबधरि कोनो भि खाय पिवयबला चिजसभ सेवन नै करतिअछि । रोजा बैस्लासँ आद्मीमे आज्ञापालन, अनुशासन, नम्रता, सत्प्रियता, संयम, सहनशीलता, सदाचारी, त्याग, परोपकार, दया, दानशीलता लगायतक आचरणमे विकास अएवाक विश्वास अछि ।

Share.

Leave A Reply