इंग्ल्याण्ड महिला युरोपियन च्याम्पियनसिप फुटबलके सेमिफाइनलमे कएलक प्रवेश

0

श्रावण १६ गते,इंग्ल्याण्ड, डेनमार्क आ अस्ट्रिया महिला युरोपियन च्याम्पियनसिप फुटबलके सेमिफाइनलमे प्रवेश कएलकअछि । रबिक राति भेल खेलमे फ्रान्सके १–० सँ हरबति इंग्ल्याण्ड अन्तिम चारिमे स्थान पक्का कएनेअछि । इंग्ल्याण्डके जितमे जोडी टेलर ६० हम्ँं मिनेटमे कएने गोल निर्णायक बनलछल । इंग्ल्याण्ड आब फाइनल प्रवेशक लेल आयोजक नेदरल्याण्डस साथे प्रतिस्पर्धा करत ।
रातिए भेल दोसर खेलमे स्पेनके टाइब्रेकरमे ५–३ सँ हरबति अस्ट्रिया सेहो सेमिफाइनलमे स्थान पक्का कएनेअछि । निर्धारित आ थप कएने समयमे दुनु दिससँ गोल होबऽ नै सक्लाकऽबाद खेलके निर्णय टाइब्रेकरसँ लेलगेलछल । ओयसँ आगा भेल खेलमे डेनमार्क जर्मनीके २–१ सँ हरबति अन्तिम चारिमे स्थान बनौनेछल । अय हारसँगे सातम्ँ बेर उपाधि जित्ने जर्मनीके सपना टुटलअछि । फाइनल प्रवेशक लेल आब डेनमार्क आ अस्ट्रियाबिच प्रतिस्पर्धा ह्यात ।

Share.

Leave A Reply