आश्विन २ गतेके निर्वाचनमे राजपा सेहो सहभागि होएवाक विश्वास

0

अषाढ ३१ गते,नेपाली कांगेसक नेता रमेश लेखक राजपा तेसर चरणके स्थानीय तहके निर्वाचनमे सहभागी होबके बतौलनिअछि ।
राजपा निर्वाचन चिन्ह, दल दर्ता लगायत निर्वाचन सम्बन्धी प्रक्रिया आगा बढाबिरहल आ सरकार सेहो संविधान संसोधनके प्रयत्न जारी रख्लासँ राजपा निर्वाचनमे सहभागी होबके अपने विश्वस्त रहल नेता लेखक बतौलनिअछि ।
शनिदिन रिपोर्टस क्लबके साक्षात्कारमे नेता लेखक एहन बात बताबिरहल बेर वोय कार्यक्रममे राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपालक नेता अनिल झा यथास्थितिमे अपनेसभ निर्वाचनमे सहभागी नै होबके कहति द्धविधामे नै परके आग्रह कएलनिअछि ।
कार्यक्रममे नेकपा एमालेके सचिव प्रदिप ज्ञवाली संविधान संसोधन होबऽ नै सक्वाक ठोक्कुआ कएलनिअछि । वर्तमान आवश्यकता तीनु तहके निर्वाचन सम्पन्न करके भेलासँ कहति ओ आवश्यकता आ प्राथमिकताके आधारमे एमाले आगा बढ्के बतौलनि ।
तहिना कऽ नेकपा माओवादी केन्द्र संसदीय दलक उपनेता टोपबहादुर रायमाझी सरकार संविधान संसोधनके प्रयास सरकार जारी रखलासँ संविधान कार्यान्वयनके लेल निर्वाचनमे सेहो सहभागी होईत आगा बढ्पर्वाक बतौलनि ।
स्थानीय तह निर्वाचनके तेसर चरणमे प्रदेश नम्बर २ मे आश्विन २ गतेके लेल निर्वाचनके मिति तोकाएलअछि ।

Share.

Leave A Reply