आय मुस्लिम धर्मालम्बीसभक महान पावनि ईद, नेपाल सरकारद्वारा सार्वजनिक बिदाके घोषणा

0

अषाढ १२ गते,आय सोमदिन इस्लाम धर्मावलम्बीसभक पावनि ईद उल फितरके अवसरमे सरकार सार्वजनिक बिदा देबके घोषणा कएलकअछि ।
गृहमन्त्रालय एक विज्ञप्ती जारी करति ईदके दिन सार्वजनिक बिदा देवाक घोषणा कएनेअछि ।
इस्लाम धर्मावलम्बीसभ आय इद (इद उल फित्र) मनाबिऽरहलअछि । एक महिना रोजा (व्रत) सक्लाकऽबाद यी पावनि मनाओल जायतअछि । इद खुसी सट्वाक पावनिके रुपमे सेहो लेलजायतअछि ।
इस्लामी पात्रा हिजरी संवत् अनुसार नवम्ँं महिना ‘रमजानल मुबारक’ मे विश्वभरिके इस्लाम धर्मावलम्बी १ महिनाधरि रोजा बैसतिअछि । रोजा सक्लाकऽबाद खुसी स्वरूप ईद मनाओलऽजायतअछि ।
ईदका दिन मस्जिद वा इदगाह (इदके नमाज मात्र पढ्वाकलेल बनाओलगेल खुला ठाम) मे जम्मा भऽक नमाज पढ्वाक चलन अछि । इदके नमाजकबाद आपसमे गला मिलाक ‘इद मुबारक’ कहति शुभकामना आदान–प्रदान कएलजायतअछि ।
ईदके दिन भिन्सरेसँ नहा धुवाक सफा आ नयाँ कपडा आ अत्तर (सेन्ट) लगाक सेबई, फलफूल, बिरयानी वा अन्य नीक निक परिकारसभ खएलाकऽबाद नमाजक लेल मस्जिद वा इदगाह जएवाक चलन रहलअछि । नमाजकबाद एक–दोसरके घरमे पाकल नीकनिक परिकार खाऽक शुभकामना आदान–प्रदान कर्वाक चलन अछि । इदमे सम्बन्धीत आ इस्टमित्रके सेहो घरमे बजाक खायपिवयबला चिजसभ खुअबतिअछि ।
इदके नमाज पढ्सँ आगा हरेक व्यक्तिसभ अपन परिवारक दिससँ ‘सदाए फित्रा’ स्वरूप तोकलगेल निश्चित रकम तिरपर्वाक होईतअछि । ओे रकम अलग्गे जम्मा कएलजायतअछि । ओे रकम गरिब, फकिर, असहाय, विपन्न, मिस्किनसभ मात्र प्रयोग कऽर सकतिअछि ।
इस्लामके ५ आधार स्तम्भ इमान (आस्था), नमाज (प्रार्थना), हज (तीर्थ), जकात (दान) आ कल्मा मध्ये रोजा (व्रत) एक खम्बा अछि । अन्य महिनाक तुलनामे ‘रमजानल मुबारक’ महिनाके मुसलमानसभ पवित्र महिनाक रूपमे विश्वास करतिअछि । यी दान करबला महिना सेहो अछि । ताहिसँ अय महिनामे धनाढ्यसभ गरिब आ विपन्नके आर्थिक सहयोगसमेत करतिअछि ।

Share.

Leave A Reply