आयसँ सोमबारी सुरु मन्दिरमे श्रद्घालु भक्तजनसभक भिड, साउनमे मेहन्दी आ हरिअर चुरी लग्बऽबलासभक उल्लेख्य बृद्घि

0

श्रावण २ गते,आय सोमदिन श्रावण सोमवारी सुरु भेलअछि । श्रद्घालु भक्तजनसभके आय भिन्सरेसँ जनकपुरक विभिन्न शिवालयसभमे भिड देखलगेलअछि । जनकपुरक कपिलेश्वर नाथ, शिवचौकके शिव मन्दिर, कुआके कुपेश्वर नाथ लगायतके शिवालयसभमे दर्शनार्थीसभक भिन्सरेसँ भिड देखलगेलअछि ।
सूर्य मिथुनराशिसँ कर्कट राशीमे प्रवेश कर लगते साउन महिना रबिदिनसँ सुरु भेलअछि । अय महिना हिन्दू धर्मावलम्वी महिलासभ हातमे मेहन्दी तथा हरियर चुरी लगबतिअछि ।
भगवान शिवके प्रिय दिन सोमदिनमे ब्रत बैसक हरियर आ लाल पहिरनके साथे मेहन्दी, चुरी, पोते लगौलापर भगवान खुसी होएवाक जनविश्वास अछि । साथे पतिके दिर्घायू होबके विश्वास सेहो रह्लासँ परम्परासँ साउन महिना बिशेष रुपमे शिवके महिमा गाबिक मनाओल जायतअछि ।
अविवाहित महिलासभ सेहो योग्य वर प्राप्तीक लेल महिनाके सब सोमदिन ब्रत बैसतिअछि । अय बेर पाँच सोम पर्लासँ आओर शुभ मानलगेलअछि ।
हिन्दू किम्बदन्ती अनुसार ‘साउनमे माता पार्वती पति महादेवके खुसी बनाक सौभाग्य प्राप्त कऽर हरियर चुरी, पोते आ हातमे मेहेन्दी लगौनेछली आ महादेवसँ सौभाग्य पओनेछली ।’
व्याह् विश्वासके साथ मधेसी तथा नेपाली महिलासभ सेहो अपन हात मेहेन्दीसँ सजौनेअछि । हातमे मेहेन्दीके प्रयोग अखन फेसन जेहन बनति गेलअछि ।
ग्रामिण क्षेत्रसँ पछिल्लका समय शहरीया पुस्तामे साउन महिनामे हरियर पहिरन लगाबके फेसनके रुपमे बिकास भऽरहलअछि । जनकपुरक चोक चोकमे मेहेन्दी तथा चुरी व्यवसाय फस्टारहल देखलगेलअछि ।

Share.

Leave A Reply