आब सार्वजनिक गाडीमे तीनगोटे प्रहरी, महिला हिंसा कएलक तँ तुरुन्त कारबाही

0

श्रावण १७ गते,प्रहरी सार्वजनिक गाडीमे महिला हिंसा बढल कहति ओयके रोक्वाकलेल अभियान सञ्चालन करलागलअछि । महानगरीय प्रहरी आयुक्तके कार्यालय महिला हिंसा रोकके कहति सेफ्टी पिन अभियान सञ्चालन कऽर लागलअछि । साउन १८ अर्थात बुधदिनसँ यी अभियान सुरु होबके महानगरीय प्रहरी आयुक्तके कार्यालय जनौलकअछि ।
मंगललिन आयुक्त कार्यालय रानिपोखरीमे पत्रकार सम्मलेन करति निमित्त प्रमुख आयुक्त बम बहादुर भण्डारी सार्वजनिक गाडीमे महिला हिंसा बढल कहि उपराग सुनौलाकऽबाद यी कायक्रम सुरु कएने जानकारी देलनिअछि ।
महिलाउपर होबबला हिंसा रोकऽ एक सार्वजनिक गाडीमे एक महिला प्रहरीसहित तीन गोटे प्रहरी परिचालन कएलजायत । साथे प्रहरीके भ्यान सेहो तयारी अवस्थामे राखके आ केऊगोटे महिला हिंसा कएलक तँ तुरुन्त प्रहरी भ्यानमे राखिक प्रहरी कार्यालयल लाबिक कानूनी कारबाही कर्वाक प्रहरी जनौलकअछि ।
सार्वजनिक गाडीमे महिलासभके देख्वाक नजर, कएलजायबला व्यवहार, धक्म धुक्का, अपशब्द जेहन घटनासभ होइृत आएल प्रहरी जनौलकअछि ।
यातायात व्यवसायी महासंघ, यातायात व्यवसायी महासंघ बाग्मती अञ्चल, सामुदायिक सेवा उपत्यका समन्वय परिषद् आ सामुदायिक सेवा कमेन्द्रके सहयोगमे यी अभियान सुरु कएलगेलअछि ।
जयअन्तर्गत प्रहरी जनचेतना जगाबके, स्टिङ अपरेशन करके आ कानूनी कारबाही कर्वाक समेत जनौलकअछि । यी अभियान सुरुमे तीन महिना करके आयुक्त कार्यालय जनौलकअछि । अभियान अखन काठमाडौं उपत्यकामे मात्र लागु ह्यात ।

Share.

Leave A Reply