आब लाइसेन्समे सवारीके वर्ग थऽप लिखित परीक्षा देऽब नैपरत, सीधे ‘ट्रायल’

0

चैत–६ गते,आबसँ सवारी लाइसेन्समे वर्ग थप्वाकलेल लिखित परीक्षा देब नै पर्वाक भेलअछि । एकबेर लाइसेन्सके लिखित परीक्षा पास करबलासभ आब दोसर सवारी चलाबके अनुमति लेब लिखित परीक्षा नै लेवाक निर्णय भेलअछि ।अखनधरि कायम रहल व्यवस्था अब्यवहारिक आ चालक मैत्री नै भेल कहति यातायात ब्यवस्था विभाग नयाँ ब्यवस्था कएनेअछि । विभागमे आएल नयाँ महानिर्देशक रुपनारायण भट्टराई शुक्रदिन एहन निर्णय कएनेछथि ।आब एकबेर लाइसेन्समे लिखित परीक्षा पास भेलसभके दोसर सवारी चलाबके अनुमति लेब सीधे ट्रायलके फारम भऽर सक्वाक व्यवस्था काएम कएलगेलअछ् ि। अखनधरि लाइसेन्समे बर्ग थप्वाकलेल दोहोराक लिखित परीक्षा देबपर्वाक बाध्यता छल।नयाँ ब्यवस्थासँ चालकसभके सहज होएवाक आ कार्यालय ब्यवस्थापनमे सेहो सहज होएवाक विभागक प्रवक्ता डा. टोकराज पाण्डे  बतौलनिअछि  ।सरकार अयसँ अगे एकबेर लिखित परीक्षा पास कएलाकबाद ३ बेर धरि सवारी लाइसेन्सके लेल ट्रायल देब सक्वाक ब्यवस्था कएनेअछि ।आब आओर वर्ग थप लिखित परीक्षा देबही नै पर्वाक भेलअछि । लाइसेन्स बाहक चालक सवारीके वर्ग थप स्वतः ट्रायलके लेल योग्य ह्यात ।मोटरसाइकलके लाइसेन्स लेने व्यक्ति सीधे कारके लाइसेन्सके लेल परीक्षा देब सकैतअछि । कारके लेल लाइसेन्स लेने व्यक्तिसभ बसके लेल सेहो ट्रायल देब सकैतअछि ।यी ब्यवस्था आबके एक हप्ताबाद कार्यान्वयनमे जएवाक प्रवक्ता पाण्डे बतौलनिअछि । ‘सफ्टवेयरमे परिमार्जन आ कार्यालयसभमे नयाँ ब्यवस्थाअनुरुपके प्राविधिक तयारीके लेल एक हप्ता लागत’ प्रवक्ता डा. पाण्ड कहलनि, ‘आब हमसभ दोसर सप्ताहसँ वर्ग थप्वाकलेल लिखित परीक्षा नै लेब ।’

Share.

Leave A Reply